मधुबनी, १९ जून, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
धरोहर सांस्कृतिक संस्था आ फ्रेन्ड्स क्लब, संदिप युनिवर्सिटी मधुबनीक संयुक्त तत्त्वावधान मे आगामी २३ जून शुक्र दिन मधुबनी केर नगर परिषद् विवाह भवन मे मे सन्दिप युनिवर्सिटीक चेयरमैन डा. सन्दिप झा केर सम्मान कएल जेतनि। एहि अवसर पर उद्घाटनकर्ताक रूप मे मधुबनी जिलाक जिलाधीश शीर्षत कपिल अशोक आर मुख्य अतिथिक तौर पर स्वयं डा. संदिप झा केर उपस्थिति रहत, जखन कि सम्मान सभाक अध्यक्षता बिहारक पूर्व मंत्री आ मधुबनीक धरतीपुत्र राजनीतिकर्मी-समाजसेवी राजकुमार महासेठ करता – ई जनतब कार्यक्रम संयोजक धनंजय झा जे सन्दिप विश्वविद्यालयक समन्वयक सेहो छथि से करौलनि अछि।
श्री झा कहलनि जे मधुबनी केर पवित्र धरा सँ जन्म लेनिहार सपूत डा. सन्दिप झा कोलकाता सँ शिक्षा-दीक्षा ग्रहण करैत महाराष्ट्र सनक स्टेट जतय बिहारी आ यूपी वासी संग कतेक पैघ विभेद अछि, तेहेन चुनौती भरल राज्य मे बिहारक मानवर्धन करैत अपन कर्मठ प्रयास आ लोकप्रियताक बदौलत सन्दिप युनिवर्सिटीक स्थापना कएलनि, सन्दिप फाउन्डेशनक संस्थापक डा. झा समाज आ राज्य केर विकास लेल एक सँ बढिकय एक योगदान दैत मिथिलाक नाम केँ समूचा राष्ट्र स्तर पर आगू बढौलनि, आइ हिनकहि बदौलत बिहार मे सेहो सन्दिप युनिवर्सिटी पहिल प्राइवेट युनिवर्सिटीक रूप मे सब कोरम पूरा करैत मान्यता प्राप्त कएलक अछि, आब मिथिला सहित बगल मे रहल देश नेपाल आ बिहारक आन-आन भाग सँ छात्र-छात्रा केँ विभिन्न तकनीकी डिग्री हासिल करबाक लेल आन राज्य जेबाक जरुरत नहि रहि जायत, जल्दिये एतय इन्जिनियरिंग, पोलिटेक्निक, आइटीआइ आ शिक्षक प्रशिक्षण केन्द्रक अतिरिक्त आरो-आरो संकाय केर पढाई आरम्भ कय देल जायत, एहि सब प्रगतिक सुकार्य डा. झा केर बदौलत संभव भेल अछि। अतः हुनकर सम्मान करब हमरा लोकनिक कर्तब्य बनैत अछि। एहि सँ मानव समाज मे हुनके जेकाँ नीक कार्य मे आगू बढबाक एकटा सार्थक सन्देश सेहो जायत।