UPSC परीक्षाफल प्रकाशित, लगातार तेसर बेर महिला टौपर बनली, मैथिली सँ १३ गोटे सफल भेलाह

नई दिल्ली, १ जून, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

भारत केर प्रसिद्ध संघ लोक सेवा आयोग केर परीक्षाफल काल्हि ३१ मई केँ प्रकाशित कएल गेल अछि। एखन धरि प्राप्त अपुष्ट समाचार अनुसार कुल १३ गोटे मैथिली ऐच्छिक विषय सँ एहि अति महत्वपूर्ण परीक्षा मे सफलता हासिल कएलनि अछि। सहरसाक बघवा निवासी राकेश रंजन मैथिली ऐच्छिक विषय राखि १३८वाँ रैंक प्राप्त करबाक पुष्टि भेल अछि। मैथिली जिन्दाबाद आरो सफल अभ्यर्थी लोकनिक बारे पता कय रहल अछि, जेना-जेना समाचारक पुष्टि होएत जायत, जानकारी दैत रहब। चैनपुर (सहरसा) केर सत्यम ठाकुर सेहो २१८म रैंक सहित एहि उच्च महत्वक परीक्षा मे सफलता हासिल कएलनि अछि, जखन कि हुनकर ऐच्छिक विषय सोशियालाजी होयबाक जनतब गामहि सँ जुड़ल युवा शिक्षाविद् कुमुदानन्द झा करौलनि अछि।

बाकी समाचार साभार न्युज १८ निम्न अछिः

यूपीएससी सिविल सेवा परीक्षा २०१६ केर परीक्षाफल घोषित, नंदिनी केआर केली टॉप

समाचारः साभार News18Hindi 
Updated: May 31, 2017, 11:44 PM IST

यूपीएससी सिविल सेवा परीक्षा २०१६ केर नतीजा घोषित कय देल गेल अछि। कर्नाटक केर नंदिनी केआर टॉप केलनि अछि।.अनमोल शेर सिंह बेदी और गोपालकृष्‍ण रोनांकी क्रमश: दोसर और तेसर नंबर पर छथि।

यूपीएससी केर तरफ सँ बुध दिन केँ नतीजा घोषित कएल गेल। एकरा अनुरूप १०९९ उम्मीदवार केर नाम सरकारी सेवा लेल पठाओल गेल अछि। २२० उम्मीदवारक नाम वेटिंग लिस्ट मे राखल गेल छैक।

टॉप १० मे तीन महिला छथि। नंदिनीक अलावे सौम्‍या पांडे और श्‍वेता चौहान सेहो टॉप-१० मे रहल छथि। नतीजा मे जेनरल कैटेगरी सँ ५००, ओबीसी सँ ३४७,एससी सँ १६३ और एसटी सँ ८९ उम्‍मीदवार चुनल गेल।

सिविल सेवा उत्‍तीर्ण करनिहार उम्‍मीदवार भारतीय प्रशासनिक सेवा, भारतीय विदेश सेवा, भारतीय पुलिस सेवा और केंद्रीय सेवा ए व बी केर लेल चुनल जाएत छथि।

लगातार तेसर साल थिक जे महिला उम्‍मीदवार यूपीएससी सिविल सेवा टॉप केलनि अछि। नंदिनी सँ पहिने २०१५ में टीना डाबी और २०१४ में इरा सिंघल टॉप कएने छलीह। २०१४ केर यूपीएससी सिविल सेवा परीक्षा में तो टॉप-३ में महिले रहल छलीह।