नैंसी झा अपहरण आ निर्दय हत्याकांड में मधुबनी प्रशासनक शिथिलताक विरोध में अखिल विद्यार्थी परिषद मधुबनी द्वारा एंव जिलाक विभिन्न प्रखंड आ गाम सब सँ पहुँचल छात्र सब जिला पुलिस और मुख्यमंत्री नितिश कुमार के विरोध में जमिकs नारेबाज़ी केलक।
मुख्य बाजार में पैदल मार्च कय आक्रोश जतौलैन , और अंत में मुख्यमंत्रीक पुतला फुकलक । नेतृत्व परिषदक जिला संयोजक गीतेश झा आ प्रदेश मंत्री सुजित पासवान जी कयलक।पहुँचल छात्र सब के मांग अयि जे अपराधी के जल्द सँ जल्द फाँसी होय आ घटनाक जांच विशेष टिम द्वारा होयबाक चाही । अखिल विद्यार्थी परिषद प्रेस विज्ञाप्ती जारी करैत चेतावनी दैत कहलैन जे जल्द सँ जल्द न्याय नै मिलल तs उग्रआंदोलन करब । नैंसी के दोषि नै बाचत । उपस्थित कार्यकर्त्ता सब अशोक कुशवाहा,गोपाल झा ,अजित सिंह, विनित यादव,विपिन यादव,रंजित कुमार,मिथुन गुप्ता,पंकज कुमार आदि सैकड़ो छात्र भाग लेलक ।