सम्पादकीय, मई १६, २०१७.
दहेज मुक्त मिथिला – माँगरूपी दहेजक प्रतिकार करू, स्वयं दहेज मुक्त बनू, अपने स्वच्छ त दुनिया स्वच्छ, बेटा-बेटी दुनू केँ एक्के सम्मान करू आदि नाराक संग विगत ६ वर्ष सँ गतिमान अभियान मिथिलाक वैह मौलिक स्वरूप केँ देखय चाहैत अछि जे यथार्थतः किछुए दसक पूर्व धरि रहल छल। जेना-जेना भौतिक युगक उजमाड़ि हमरा लोकनिक समाज पर पड़ि रहल अछि, तहिना-तहिना ई आडंबरी व्यवहार सब बढल जा रहल अछि।
दहेज़ मुक्त मिथिला केर कॉज लेल नामी धावक अपन गाम बिरौल (दरभंगा) सँ लगभग ६० किलोमीटर धरि मिथिला विश्वविद्यालय केर द्वार धरि दौड़ लगेबाक निर्णय कहलैन अछि। हिनका दौड़ लगेबाक लेल समुचित सहयोग जुटेबाक भार देलनि अछि। एहि वास्ते १७ जून केर समय अछि। धावक प्रसिद्ध धावक मात्र नहि एक सच्चा मिथिला सपूत सेहो छथि जे अपन प्रिय दिवंगत पिता केर आत्माक शान्ति लेल ई पुनीत कार्य दहेज़ मुक्त मिथिला लेल करय चाहैत छथि। हम सब बड़भागी छी एहि सपूत केँ पाबिकय आ प्रतिबद्ध छी जे सम्पूर्ण व्यवस्था शीघ्रातिशीघ्र करब। आइ के बाद ठीक एक महीना बाकी रहत – १७ जून भोरे ३ बजे बिरौल (सुपौल बजार) महाविद्यालय केर मुख्यद्वार सँ मिथिलाक चिर-परिचीत युवा धावक ‘आर के दीपक’ धावन क्रिया आरम्भ करता। हुनका संग-संग एकटा गाड़ी हेडलाइट केर रौशनी देखबैत चलत। पेयजल, सर्बत, ग्लुकोज, औषधीय उपचार टोली सब हुनका संगे रहत। कुल ६० किलोमीटर केर दूरी लगभग ६ घंटा मे तय करता दीपक। एहि दौड़ केर मुख्य उद्देश्य रहत मिथिला समाज सँ मांगरूपी दहेज केर मुक्ति कय ‘दहेज मुक्त मिथिला’ निर्माण करबाक सन्देश देबक।
मैथिली साहित्यक एक स्तम्भ आदरणीय स्रष्टा अशोक कथाकार केर सुझाव अनुरूप एहि पुनीत कार्य लेल १ सप्ताह पूर्वहि सँ गाम-गाम केर लोक केँ एहि विषय आ दौड़ केर संबंध मे जनतब देल जायत। आइ दहेजक विभिन्न रूप हमरा सभक समाज केँ कमजोर बना रहल अछि। भौतिकतावादी युग मे आब कुटुम्ब मांगैथ नहि मांगैथ, समाजक देखाबाक कारण सेहो कतेक रास खर्च बढि गेल अछि जे एक बेटीक पिता या बेटाक पिता केँ विवाह सम्बन्ध निर्धारण करबाक समय लोकलज्जा लेल लाखों रुपया ब्यर्थ मे खर्च करबाक बाध्यता होएत छन्हि। वर पक्ष केँ असगरे मांग करय लेल दोषी मानबाक संख्या मे तेजी सँ कमी आयल अछि, लोक दहेज मांगबाक कार्य केँ पाप बुझय लागल अछि। आब तेहने जिद्दी आ पापाचारी लोकक अपवाद छोड़ि दी त औसत समाज द्वारा विवाह सम्बन्ध निर्धारण हेतु जतेक सहजता सँ विवाह होएक ताहि दिशा टा मे दुनू पक्ष सोचैत अछि। लेकिन सामाजिक व्यवहार मे एक दिश बरियाती खुएनाय भले ३ साँझ सँ १ साँझ पर आनल गेल हो, मुदा आब पहिने जेकाँ तिरपाल टांगि, पेट्रोमैक्स जरा, समाजहि केर १० घर सँ कुर्सी-टेबुल एकत्रित कयकेँ बरियातीक स्वागत करबाक बदला कम सँ कम १ लाख के करीब खर्च करैत टेन्ट आ लाइट्स लगेनाय फैशन बनि गेल अछि। आब जँ कियो गरीब बाप अपन बेटीक बियाह करत त ई खर्च नहि करत त समाज ओकरा पर हँसैत अछि जे फल्लाँ संग एतबो ओकादि नहि छैक जे ओ टेन्ट-लाइटक इन्तजाम करैत। एहेन आरो कतेको उदाहरण छैक जाहि सँ मिथिलाक लोकक बड पैघ पूँजी एम्हर-ओम्हर फेकाइत अछि, बरु ओतेक उपहार जँ वर-कन्याक भविष्य निधि लेल नगदे देल जाय त ओ आदर्श स्थापित करत। एहि सब तरहक बातपर समाजक लोक संग चर्च करैत एकटा टोली धावन-मार्ग मे पड़यवला गाम सब मे जागृति पसारत, जाहि मे स्वयं सल्लाहकार कथाकार अशोक अपन संरक्षण आ संलग्नता रखबाक वचन देलनि अछि।
1 Comment
Very good