भारतक आर्थिक विकास दर केर आइएमएफ प्रमुख क्रिस्टालिना जॉर्जीवा द्वारा मुक्तकंठ प्रशंसा
आजुक ई प्रमुख खबर सभक ध्यानाकर्षण योग्य अछि । भारत मे नरेन्द्र मोदी नेतृत्वक एनडीए सरकार जाहि तरहें देशक आर्थिक विकास दर केँ निरन्तर आगू बढ़ेलक तेकर प्रशंसा विश्वमंच पर होयब स्वाभाविक सत्य बुझू ।
आइएमएफ बॉस क्रिस्टालिना जॉर्जीवा भारतक प्रशंसा आर्थिक विकास केर गति लेल कयलनि अछि । ओ भारतीय अर्थतंत्रक विकास गाथा (ग्रोथ स्टोरी) केर भरपूर प्रशंसा करैत कहलनि जे भारतक ग्रोथ रेट औसत ग्लोबल ग्रोथ सँ दुइ गुना बेसी अछि ।’ हुनकर कथन छन्हि ‘आइ भारत केँ देखू । भारतक ग्रोथ रेट औसत ग्लोबल ग्रोथ सँ दुइ गुना बेसी अछि । एना एहि लेल भ’ रहल अछि जे देशक बुनियादी बात मजगूत अछि ।’
एतबा नहि, जॉर्जीवा पूरा विश्वासक संग इहो कहलनि जे भारतक आर्थिक प्रगतिक बात मे कोनो गिरावटक संकेत नहि अछि । भले ग्लोबल इकॉनमी केँ जियोपॉलिटिकल तनाव आ पश्चिम एशिया संघर्ष सँ जुड़ल सप्लाइ मे रुकावट जेहेन कठिनाइक सामना करय पड़ि रहल हो । मजगूतीक श्रेय मैक्रोइकोनॉमिक स्थिरता केँ देलनि । मजगूत घरेलू मांग जेहेन फैक्टर्स सेहो ग्रोथ केर रफ्तार केँ बनाकय राखय मे मदति कय रहल अछि ।
विश्व भरिक अन्य-अन्य देशक ग्रोथ रेट केर तथ्यांक साझा करैत भारतीय नीति-नियन्ता केँ एहि दिस सावधान रहबाक सेहो संकेत ओ कयलनि ।
बधाई भारत !!
फोटोः साभार मार्केटिंग मोटिवेशन फेसबुक पेज
नेपाल मे सेहो आर्थिक विकास मजगूती पाबय ई बहुत आवश्यक छैक । एतय अधिकांशतः राजनीतिक गपबाजी मात्र देखय लेल भेटैछ जे सच मे जनता केँ ऊबाहट दैत छैक ।
हरिः हरः!!
