Search

जानकी नवमी पर बनगाँव आ चैनपुर मे विशेष पूजनोत्सव समारोह

230 भ्यूज

सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। मई ५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

रामनवमी सम्पूर्ण देश में मनाओल जाइछ मुदा सीतानवमी मात्र मिथिला में मनाओल जा रहल अछि रामजी केर जन्म चैत नवमी के भेल त ज्येष्ठ नवमी केर सीताजीक जन्म भेल अछि । चैनपुर गाम में नीलकंठ विकास समिति केर सौजन्य स पंडित मधुकांत झा मधुकर केर निधनोपरांत श्रद्धांजलि समारोह आयोजित कयल गेल । ओतहि वनगॉवक बाबाजी कूटी पर मिथिला संस्कृति संरक्षण एवं शोध परिषद् केर सौजन्य स हरिशचंद्र मिश्र केर अध्यक्षता में जानकी प्रकाटय दिवस समारोह मनाओल गेल । पारस झा केर संचालन मे सुमन समाज, राहुल कुमार बिल्टू, अगम झा, राजेश झा, रविन्द्र खॉ, सुभाष चन्द्र झा, वक्ता सब विचार व्यक्त कयलनि । तत्पश्चात लोकप्रिय गायक सोहन ठाकुर, संतोष ठाकुर, जगदीश झा, चंदन खॉ, राजू झा ,जगदीश कुमार सब भजन व गीत स सबहक मन मोहि लेलनि ।

Related Articles