राइजिंग स्टार ग्रान्ड फिनाले मे भेल विवादास्पद निर्णय पर कएल जायत कोर्ट मे केसः अशोक झा

कोलकाता, अप्रैल २४, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

मिथिला विकास परिषद् कोलकाता केर अध्यक्ष अशोक झा सोशल मीडिया मार्फत एहि बातक घोषणा कएलनि अछि जे कलर्स टीवी पर प्रदर्शित ‘राइजिंग स्टार’ शो केर ग्रान्ड फिनाले मे विवादास्पद निर्णय विरुद्ध कलर्स टीवी व कार्यक्रम राइजिंग स्टार केर संचालक केँ कानूनी नोटिस पठबैत कोलकाता हाई कोर्ट मे याचिका दायर करत। झा अपन फेसबुक पर राखल गेल स्टेटस सँ एहि सम्बन्ध मे पहिने लोकक आम राय बुझलनि आर फेर एहि लेल उचित वकील संग सल्लाह करैत ई निर्णय लेलनि जे हाई कोर्ट मे याचिका दाखिल कएल जाय।

श्री झा द्वारा रायशुमारीक दरम्यान आयल विभिन्न महत्वपूर्ण प्रतिक्रिया किछु एहि तरहक अछिः

Ushakiran Khanएक त’तिरिया जनम जकरा १ नं पर चैनेलबला देखै ने चाहै छै दोसर ग़ैर पंजाबी कतौ जीतै?
Like · Reply · 5 · 8 hrs
Ajay Nath Jha
Ajay Nath Jhaजरूर, सबटा साक्ष्य सर्वविदित अछि ।
Like · Reply · 7 hrs
Vikash Kumar Jha
Vikash Kumar Jhaबहुत जरुरी अछि कियाक ते साक्ष्य के कोनो कमी नै अछि जे कोण टेक्निक से मैथिली के हेरायल गेल।
Like · Reply · 7 hrs
Asha Mishra
Asha MishraMaithili apan gayki sa pura India me apan parcham fahra dene cheth.sabh ke shubhkamna aur ashirwad hunka sange chen.mata Saraswatik je vardan hunka kanth me achi takra kon technic sa dabai jeta.?
Like · Reply · 2 hrs · Edited
Ushakiran Khan
Ushakiran Khanसे सही। अनेकों मंचक रनर जीवन में विनर भेल अछि।ईहो हेती
Like · Reply · 2 · 7 hrs
Umed Kamath
Umed KamathAshok babu ahank bat San hum sahmat cchi
Like · Reply · 7 hrs
Rajneesh Chaudhary
Rajneesh ChaudharyHam sab sath chii
Like · Reply · 5 hrs
Rajneesh Chaudhary
Rajneesh ChaudharyCheet vel hai
Like · Reply · 5 hrs
Jha Mantreshwar
Jha MantreshwarHam sahmat chhee. Ehi anyay ke Dekhi hmra rati Neen nahi bhel. COLOURS TV ke ham sab protest lodge kay boycott kari
Like · Reply · 1 · 2 hrs
Asha Mishra
Asha MishraSir, apne ke bat sa purntah sahmat chi
Like · Reply · 2 hrs
Pravin Narayan Choudhary

Write a reply…
 
Asha Mishra
Asha MishraAshok jee ,colours tv ke boycott Hamra lokani ke karbe ke chahi.
Like · Reply · 2 hrs
Prafull Kumar Thakur
Prafull Kumar Thakurई आवश्यक अछि भैया

पुनः अशोक झा द्वारा निर्णायक ढंग सँ ई घोषणा कएल गेल अछि जे, “मैथिली के संग भेल धोखा केर प्रतिवाद मे मिथिला विकास परिषद् द्वारा कलर टीवी आर राईज़िंग स्टार केर आयोजाक ऊपर केस करय जा रहल अछि। अहि प्रक्रियाक लेल कोलकाता हाईकोर्ट केर वरिष्ठ वकील कामलेशजी स गप्प भेल। वकील साहेब केर निर्देशानुसार आइ कलर टीवी आर राईज़िंग स्टार केँ बेरूपहर कानूनी नोटीस भेजल जा रहल अछि।

आर हुनका द्वारा देल गेल ई फेसबुक पोस्ट पर फेर सँ मिश्रित प्रतिक्रिया किछु एहि तरहक आयल अछिः

Comments
Bhawanath Jha
Bhawanath JhaEhi sambandh me kono kadam uthayba sa pahine susri Maithili aa hunak pita sa paramarsh awashya ka li se aagrah, ehen kono kadam hamra lokani nai utha li jahi san Maithili ke kono dikkat hoik okar aaguk rasta pravavit hoik..
Like · Reply · 1 · 53 mins
Shyam Kedia
Shyam KediaI have seen yesterday the programme. Maithli too too much better. Also there is a clear foul play. I also protest against favouring the Punjabi contest Bannet Diosanjh by Judge Diosanjh.
Like · Reply · 49 mins
Uma Kant Jha Bakshi
Uma Kant Jha Bakshiभवनाथ झा जी के बात सँ सहमत।
Like · Reply · 43 mins
Pravin Narayan Choudhary
Pravin Narayan Choudharyमिथिला विकास परिषद् द्वारा ई एक पुनीत कार्य होयत। आदरणीय भवनाथ बाबू सँ विनम्रताक संग असहमति, संगहि उमा बाबूक जोड़ल सहमति सँ त पहिने जेकाँ घोर असहमति…. दर्शक केर रूप मे – संगीत प्रेमीक रूप मे – कोनो टैलेन्ट शो द्वारा राखल गेल नियम केर उल्लंघन आर विजेताक चयन मे धांधलीक स्पष्ट प्रमाण – तथ्य रहैत कोनो आम नागरिक केँ कानूनी न्याय पेबाक अधिकार अन्तर्गत संस्थागत प्रयास नहि कय केँ व्यक्तिगत रिट (जाहि कोनो मुद्दा मे उचित प्रश्न ठाढ होएछ) याचिका दायर करब बहुत नीक निर्णय होयत। विशेष, कानूनी सल्लाहकार संग चर्चा मे सब विन्दु पर विमर्श करब खूब बढियां रहत।

मैथिली ठाकुर केर पिता या मैथिली ठाकुर एहि लेल कोनो तरहक सहमति नहि देता जे निर्णय पर सवाल ठाढ कएल जाय। ओ बेचारी त हँसिते रहल, ओकरा कियो पूछियो नहि रहल छलैक अन्त मे, मुदा ओ बिल्कुल जानकीक रूप रखनिहाइर साक्षात् जानकियेक भूमिका करैत मात्र विजेता बैनिट केर तरफ सँ उचित सान्त्वना पेलक। बाकी त सब किछु ततेक चटपट भेल जे सब देखबे केलहुँ। अन्त मे जल्दी सँ बन्द नहि कएल जइतय प्रोग्राम त कतेको टेलिविजन फूटैत आ कतेको आक्रोशित लोक विरोध मे किछु कय सकैत छल। हम दाबाक संग कहि सकैत छी जे ई ‘अन्याय’ आ ‘जुर्म’ केर वर्ग मे कएल गेल अछि। एहि विन्दुपर सिलसिलेवार विश्लेषण स्पष्ट करैत अछि जे मैच फिक्स्ड छल। विशेषज्ञ महेश भट्ट केर तर्क सँ सहमत छी जे ई सब शो पूर्वे मे फिक्स्ड भऽ जाएत अछि। कतय मैथिलीक सुन्दर-सुमधुर शास्त्रीय गीत, कतय पंजाबी भांगड़ा! आह! बेईमानीक पराकाष्ठा त ६१% वोट पर क्लोजिंग आर फेर अचानक सिस्टम मे गड़बड़ी…. ई सब चोरक दाढी मे तिनकावला बात आ बड पैघ धांधलीक संकेत कय रहल अछि।

एहि दिशा मे तुरन्त जाँच बैसेबाक मांग सेहो करय पड़त रिट याचिका मे आर कोर्ट सँ कलर्स टीवी केँ ई निर्देशन दियाबय पड़त जे ओ सब प्रक्रिया कोर्ट मे प्रमाण सहित राखय। आर, विवादित निर्णय केँ कोर्ट केर फैसला धरि स्टे लगायल जाय तुरन्त। बाद मे कोर्ट के निर्णय भेला उपरान्त ग्रान्ड फिनाले केर शो केँ रिवाइज कएल जाय।

आर, एक बात! हर हाल मे अशोक बाबूक ई फैसला पर उचित कार्रबाई हो से कामना करैत छी। फेसबुकिया भभाड़ा त बहुते पढलहुँ, मुदा एक सही आ ठोस व्यक्तिक ई घोषणा पढि हम एहि पक्ष मे छी जे तुरन्त रिट पेटिशन दायर कएल जाय। There is a sustainable question, time given for voting and random counts of vote added to cross the score of Maithili – public the whole thing or accept the dishonesty and revise the decision.

हरिः हरः!!

Like · Reply · 26 mins

आशाक संग विश्वास अछि जे ई कानूनी न्याय सँ मैथिली ठाकुर मात्र केँ नहि बल्कि आरो एहेन निर्दोष बच्चा – कलाकार सब केँ न्याय भेटतनि आर मात्र टीआरपी केर चक्कर मे रहिकय कोनो तरहक दर्शकक भावना संग आगू खेलबाड़ नहि कएल जायत।

हरिः हरः!!