Search

मिनापक साधारणसभा आई, नव नेतृत्व सेहो चयन हएत

मनीष कर्ण,जनकपुरधाम।१,अप्रिल २०१७.मैथिली जिन्दावाद !!

मैथिली भाषा साहित्य कला संस्कृतिक क्षेत्रमे काज करएवला देशक अग्रणी संस्था मिथिला नाटय कला परिषदक साधारण सभा आई भऽ रहल अछि । मिनापक प्रागंणमे होबएवला ओ सभाक उदघाटन मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार डा. राजेन्द्र विमल करता ।
साधारण सभाक बाद मिनापक नव नेतृत्वक लेल निर्वाचन सेहो हएत । अध्यक्षमे वर्तमान उपाध्यक्ष परमेश झाके सर्वसम्मतिसँ बनाबाक सम्भावना अछि ।

Related Articles