मधुबनी सहित समूचा उत्तरी बिहार मे भारी वर्षाक संग पाथर सेहो गिरल

रवीन्द्र भारती, खजौली, मधुबनी।

टटका समाद – ब्रेकिंग न्युज मधुबनी खजौली २५/०३/२०१७ समय रात्रिकालक १२:४० बजे

मधुबनी जिला सहित उत्तर बिहार में वर्षल पानि संगे पाथैर, रातिक १२ बजे जखन पुरा गाम दैनिक दिनचर्या सँ निनभेर भेले छल, ताहि समय वर्षल ई काल रुपी वर्षा सँ सुतल लोक सब चहा उठल, जे एकाएक घर दरवाजा पर ई केहेन वर्षा भऽ रहल अछि । किसान सब शोक में डूबि गेल, कारण जे एखुनका रबी-राय संगे गहुँम आ दलहन ‍- सब किछ पुर्णरुपेण तैयार छल खेत खलिहान में पसरल अछि ओकरा लेल ई पानि पड़ब काल सिद्ध भेल। मुख्य फसल गहूँम त आधा तैयारी अवस्था में अछि वो सब खराब  भऽ जायत – स्वाभाविक रूप सँ किसान मे ई चिन्ता पसैर गेल तेहन कालरूपी वर्षा ई अर्धरात्रि मे आयल। केकरो कनिकबो सम्हरबाक अवसर तक नहि देलक। पैघ-पैघ पाथर, वजन लगभग २०० ग्राम सँ ४०० ग्राम हेबाक चाही, ओ एकाएक झहरय लागल । आँधी-तूफान सेहो भयावह छल। इमहर गृहिणी सब सेहो विशेष चिंतित भऽ गेलीह, कारण हुनका सब केँ जारैन व अन्य गृहस्थीक समान सेहो एहि कालरूपी वर्खा मे भिज गेल । रात्रिक ठिक १२:०० बजे सँ १२:४० बजे धरि लगभग अंधाधुंध वर्षा होएत रहल।