जनकपुर मे नेपालक मैथिली साहित्यकार लोकनिक स्मृतिसभा सम्पन्न

प्रेम विदेह, जनकपुरधाम। मार्च २३, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली साहित्यकारलोकनिक स्मृतिसभा सम्पन्न

साहित्य समाजक दर्पण होइछ आ साहित्यकार समाजक पथप्रदर्शक! तें हमरालोकनिकें अपन साहित्यकारसबकेँ स्मरण करक चाही। ….एहि उद्देश्यक संग काल्हि २२ मार्च मैथिली साहित्यकार सभा जनकपुरधामक आयोजनामे नेपालीय मैथिली साहित्यमे योगदान कएने बाइस गोट मैथिली साहित्यकारक स्मरण कएल गेल जाहिमे उमाकान्त दास, चन्द्रशेखर लाल शेखर, जय नारायण झा जिज्ञासू, जानकी रमण लाल, जीवनाथ झा, पं. जीवेश्वर मिश्र, डा. धीरेश्वर झा धीरेन्द्र, धुमकेतु, पं. प्रताप नारायण झा, बदरी नारायण वर्मा, भुवनेश्वर पाथेय, भूषण झा, मथुरानन्द माथुर, यदुवंश लाल चन्द्र, रमाकान्त झा, राजेन्द्र किशोर, पं. लक्षमण शास्त्री, वासुदेव ठाकुर, पं. श्रीकृष्ण मिश्र, पं. सुन्दर झा शास्त्री, पं. सुरेश झा आ पं. सूर्यकान्त झा केर नाम शामिल अछि। 

उपरोक्त साहित्यकार लोकनिक स्मृतिमे ३० सेकेन्ड मौन धारण आ फोटोसबपर माल्यार्पण पश्चात् हुनके लोकनिक रचनाक वाचन आ कृति सभपर चर्चा कएल गेल। संस्थाक सभापाल प्रेम विदेह ललनक सभापतित्वमे संचालित एहि कार्यक्रममे अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषदक उपाध्यक्ष साहित्यकार एवम् पत्रकार राजेश्वर नेपाली, वरिष्ठ साहित्यकार डा.रेवती रमण लाल, निर्मला मिश्र स्मृति मैथिली साहित्य संरक्षण कोषक संस्थापक जीबछ मिश्र, मैथिली साहित्य परिषदक पूर्व अध्यक्ष कवि राम भरत साह, मिथिला नाट्यकला परिषदक पूर्व अध्यक्ष गायक सुनिल मल्लिक, गौ संरक्षण मंचक अध्यक्ष जगदीश महासेठ, वरिष्ठ साहित्यकार राम स्वार्थ ठाकुर गांधी सहित मैथिली साहित्यकार सभाक सदस्यगण, साहित्यप्रेमी आ पत्रकार समाजक उपस्थिति रहल छल।

मोडेल मल्टिपल कलेजक भवनमे आयोजित एहि कार्यक्रममे संस्थाक नवगठित ११ सदस्यीय कार्य समितिक पदाधिकारीसबकेँ शपथ ग्रहण सेहो कराओल गेल।

सभापाल – प्रेम विदेह ललन, सहसभापाल – पुनम झा मैथिली आ उपसभापाल – रामाशीष मंडलकेँ राजेश्वर नेपाली जीद्वारा, कार्यपाल-अरविन्द कुमार यादव, कोषपाल-नागेश्वर मंडल, आ सहकार्यपाल-राजेन्द्र ललनकेँ डा. रेवती रमण लाल जीद्वारा एवम् सहकोषपाल-रामकुमार साह, सदस्य – मनोज प्रेमेश, राजाराम सिंह राठौर, किरण कुमारी झाकेँ जीबछ मिश्र द्वारा पद आ जिम्मेवारी लेल शपथ खुआओल गेल।

सदस्य बिन्दु ठाकुर अनुपस्थित छलीह। एहि सभाक संचालन-उद्घोषण कवयित्री पुनम झा कएने छलीह। स्वागत भाषण कार्यपाल अरविन्द यादव कएने छलाह। हम लड़ि कऽ लेब अधिकारबला अभियान गीत सुप्रसिद्ध गायक सुनिल मल्लिकक संग पुनमजी, बौआ कोमल आ हंसमुखी गओने छलीह।