मैथिल समन्वय समितिक विस्तार मुम्बई सँ दिल्ली धरि

पंकज झा, मुम्बई। मार्च २०, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

मुंबई मैथिल समाज केर समन्वय सँ बनल मैथिल समन्वय समिति द्वारा “वर वधू परिचय सम्मेलन” एहि वर्ष नव दिल्ली में आयोजित होयत. सम्मेलन केर आयोजन लेल १९.०३.२०१७ रवि दिन दिल्लीक होटल हयात रीजेंसी में बैसार भेल. बैसार में सम्मेलनक सफल आयोजन पर विस्तृत चर्चा भेल. आजुक परिस्थिति में कन्यागत आ वरागत सभक पास समयक घोर अभावक कारण योग्य वर वधु केर चयन समाज में एकटा पैघ चुनौती बनि अभरल अछि. एहि समस्याक निदान वास्ते मैथिल समन्वय समिति द्वारा प्रत्येक वर्ष देशक अलग-अलग भाग में वर वधू परिचय सम्मेलन केर आयोजन करबाक प्रक्रिया २०१६ में मुंबई सँ शुरू भेल आर एकर निरंतरता दैत एहि वर्ष दिल्ली मे आयोजन करबाक नियार भेल अछि.

समितिक संरक्षक डॉ संदीप झा केर अनुसार समाज में दहेज़क कुप्रभावक कारण थिक “योग्य वर वधू केर मेल लेल कोनो तरहक चयन केर सुविधाक अभाव. योग्य वर केँ योग्य वधू और योग्य वधू केँ योग्य वर केर चुनाव लेल जखने बेसी सँ बेसी मौका भेटत तखने दहेजक माँग घटत.” हुनक ई उक्ति अर्थशास्त्रक प्रसिद्ध सिद्धान्त डिमांड एंड सप्लाई पर आधारित अछि. जखने डिमांड सँ बेसी सप्लाई हेतैक तखने मूल्य सेहो प्रभावित होयत, यानि माँगरूपी दहेज स्वतः घटत. एहि आधारपर पैछला साल सँ समिति द्वारा वर-वधू परिचय सम्मेलनक आयोजन कएल जा रहल अछि.

मैथिल समन्वय समिति द्वारा पैछला वर्ष मुम्बई सफलतापूर्वक परिचय सम्मेलनक आयोजन कएल गेल छल आर ई नियारल गेल छल जे आगामी समय मे विभिन्न स्थानपर एहि तरहक सम्मेलनक आयोजन हो आर वर-वधू परिचयक तथ्यांक सब संकलन करैत वर-वधू मिलानीक बेसी सँ बेसी अवसर निकालल जाय। एहि क्रम मे दिल्ली मैथिल समाजक विभिन्न मुख्य चेहरा जाहि मे समाजसेवी अमरनाथ झा तथा केशव झा केर भूमिका मुख्य सहयोगीक रहल, हिनका लोकनिक अग्रसरता मे दिल्लीक विभिन्न प्रबुद्ध मैथिल व्यक्तित्व यथा डॉ कैलाश चन्द्र मिश्र, डॉ निवेदिता मिश्रा झा, विमल जी मिश्र, संतोष सिंह राठौड़, सुनील कुमार झा, सुधीर झा, तपन झा, रंजना झा, कुमकुम झा, ललित झा, श्रीचंद्र कामत, अभिषेक मिश्र, शिशिर कुमार झा, विद्या नंद झा, ऋषि झा मलंगिया आदिक उपस्थित मे मैथिल समन्वय समितिक दिल्ली चेप्टर केर गठन कएल गेल. एहि बैसार मे संस्थापन पक्ष मुंबई सँ मैथिल समन्वय समिति केर संरक्षक डॉ संदीप झा संग प्रेमचंद्र झा और जयमधाव झा भाग लेलनि आर समितिक पक्ष दिल्ली समाजक सोझाँ रखैत आगू नवम्बर मे दिल्ली मे वर-वधू परिचय सम्मेलन करबाक निर्णय लेलनि.