अजित आजाद, झंझारपुर। मार्च २०, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
19 मार्च 2017 केँ काल्हि दिवा कथा कुम्भ आयोजित भेल झंझारपुर मे। आनन्द कुमारर झाक संयोजन मे सम्पन्न भेल एहि कथा गोष्ठीक अध्यक्षता कयलनि डॉ कमलकान्त झा आ सञ्चालन अजित आज़ाद। कुल 16 गोट कथाक पाठ भेल। सभ कथा पर खूब चर्चा भेल। कथाकार रहथि अनुभव आनन्द, सुशान्त अवलोकित, आनन्द मोहन झा, ऋषि वशिष्ठ, धनाकर ठाकुर, कमल कान्त झा, मलयनाथ मंडन, अनिल ठाकुर, युवराज, प्रीतम निषाद, नारायण यादव, वीरेन्द्र नारायण झा, रेवती रमण झा, इशनाथ झा, अजय कुमार दास एवं विद्या चंद्र बमबम।
समीक्षक मे प्रमुख रहथि डॉ एम एन झा, केदारनाथ झा, खुशीलाल झा, लखन जी झा आदि।
एहि अवसर पर पद्मश्री उषाकिरण खानक दू गोट मैथिली पोथीक लोकार्पण भेल। बाल महाभारत केर लोकार्पण कयलनि ऋषि वशिष्ठ आ अमल झा। जाइ सँ पहिने केर लोकार्पण कयलनि आनन्द कुमार झा आ हुनक धर्मपत्नी श्रीमती रिंकू झा।
गायिका कुमकुम झा द्वारा गाओल जय जय भैरवि सँ शुरू भेल ई छठम गोष्ठी सभ तरहेँ उत्कृष्ट रहल। अगिला गोष्ठी 18 जून केँ उजान मे होयत।