बांग्ला देशी नागरिक धराएल गलती पासपोर्ट बनाबैत गिरफ्तार ……

रविन्द्र भारती खजौली मधुबनी शुक्रवार २४/०३/२०१७ 

एक बांग्लादेशी युवक अहमद अल फहाद जे पासपोर्ट ऑफिस पटना सँ पासपोर्ट सत्यापित कराबैत समय जांचकर्ता अधिकारी के संका भेलाक कारणे और प्रमाण पत्र सब जाँच के दौरान आधार कार्ड फर्जी निकलल । ताहि के बाद पुलिस के सूचना देलक पटना पुलिस के हिरासत में पूछ ताछ के दौरान स्विकारलक जे वो पच्छिम बंगाल के हैली बॉर्डर से चोरी छुपे भारत में प्रवेश केने छल , साथे पच्छिम बंगाल सँ सीधे वो मधुबनी जिला पहुँच गेल । मधुबनी
से खजौली प्रखंड व् खजौली गांव के पूर्व सरपंच उषा देवी सँ मिलल सरपंच देवी लगभग सात आठ मास अपना घर में आश्रय देलक संगे तथा भारत में फर्जी आधार कार्ड बनाव में सहयोग केलक आ संरक्षण देलक । आहि के बाद पासपोर्टक आवेदन सेहो करवेलक पासपोर सत्यापित के लेल मंगल दिन २१.०३.२०१७ के पटना आशियाना पासपोस्ट सत्यापित कार्यालय में बोलाउने छल , कर्मचारी के हुनक आव भाव आ भाषा बांग्ला और बजैत छल ताहि संकाक कार
णे उक्त तरीका सँ वो बांग्ला देशी धराएल , तथा प्रथमिकी दर्ज के बाद विशेष जाँच आ पूछ – ताछ शुरू कायल गेल  ।

शास्त्री नगर पुलिस के पूछ – ताछ के दौरान अहमद फहाद बतौलक जे वो लगभग लाखो टाका सरपंच उषा देवी के विदेश भेजबाक वास्ते देलक । और वो कहलक जे उनका उषा देवी तथा उनके पुत्र दीपक कुमार चौधरी लोक सब के विदेश भेजबाक दलाली के काम सेहो करैत अछि , अखनधैर दीपक गिरफ्त में नै आयल । शात्री नगर पुलिस सरपंच उषा देवी से सेहो पूछ – ताछ कय रहल अछि । अहमद के कहब छल जे उषा देवी उनका सऊदी अरब भेजबाक प्रलोभन देने छेलैक ।
मुदा अतेक पैसा लय वो केना पहुँचल , उहो में एकाएक उषा देवी सँ मिलने तथा अतेक दिन तक छुपल रहल ।
उनका कहब के सत्यापित करबा और ई गुथी के सुलझाब में बिहार पुलिस सब लागल अछि  ।