Search

मुम्बई मे दहेज मुक्त मिथिलाक छठम् वार्षिकोत्सवक आयोजनः दहेज मुक्त परिवार केँ सम्मान

सगुन मैथिल, नालसोपारा, मुम्बई। मार्च ६, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

सोशल मीडिया सँ धरातल समेत पर उतरल भारतक एकमात्र दहेज विरोधी संस्था हालहि ३ मार्च २०१७ केँ अपन ६ वर्षक कार्यकाल पूरा कय केँ सातम वर्ष मे प्रवेश कएलक अछि। विदिते अछि जे एहि संस्थाक राष्ट्रीय अध्यक्ष अरविन्द कुमार झा उर्फ पंकज झा स्वयं मुम्बई मे रहबाक कारणे आर संगहि पं. धर्मानन्द झा समान कर्मठ स्वयंसेवी संरक्षक सहित धर्मेन्द्र कुमार झा, राजेश राय, प्रकाश कमती, नमो नारायण मिश्र, करुणेश निशेष इत्यादि अनेकानेक समर्पित अभियानीक सक्रियता मे दहेज मुक्त मिथिला अभियान सर्वाधिक सक्रियता सँ एतय काज करैत आबि रहल अछि। एहि बेर छठम् वर्षगाँठ पर सांस्कृतिक आयोजनक संग दहेज मुक्त विवाह कएनिहार वर एवं हुनक परिवार केँ सामूहिक यशगान करैत सम्मान करबाक कार्यक्रम कएल गेल अछि।

काल्हि रवि दिन ५ मार्च २०१७ केँ राहुल इंटरनेशनल स्कूल परिसर मे खुल्ला आकाश मे सुसज्जित मंच सँ हनुमाननगर – नालासोपारा वेस्ट मुम्बई में दहेज़ मुक्त मिथिला केर ६ठम् वर्षगाँठ आ होली मिलन समारोह धूमधाम सँ मनायल गेल । मिथिलाक नव उभरैत गायक सर्वेश झा श्रवण द्वारा गोसाउनिक गीत सँ समारोह केर आरम्भ कएल गेल छल ।

कार्यक्रमक पहिल सत्र मे मैथिली भाषा मे दहेज आधारित गीतनादक संग रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रम केर आयोजन भेल जाहि मे मिथिलाक एक सँ बढिकय एक गायकक उपस्थिति आर गायन सँ श्रोता लोकनि आनन्द मे डूबल देखेलाह। दोसर सत्र मे  दहेज़ मुक्त विवाह केनिहार दूल्हा आर हुनक परिवारक सदस्य सभक सम्मान फूलमाला आर दोपटा ओढाकय कएल गेल। सम्मानित होयबा मे विकास झा, दिपक मिश्रा, विजय झा, कमलकांत मिश्र (जे अपन पुत्र केर विवाह बिना दहेज़ लेने कएलनि), पं. धर्मानंद झा ‘गुरुजी’ (जे अपना वचन केँ पूरा करैत अपन पुत्रक दहेज़ मुक्त विवाह केलनि), सगुन मिश्रा, रामनाथ पाठक केर नाम मुख्य अछि।

सम्मान कार्यक्रम उपरान्त दहेज मुक्त मिथिलाक ६ वर्ष पूरा भेलापर एकटा विचार गोष्ठी सँ आगाँ आरो बेसी दूरी धरि अभियान केँ पहुँचेबाक लेल चर्चा कएल गेल। एहि परिचर्चा मे के के झा अन्वेषक, पं. धर्मानन्द झा, आनंद झा, प्रकाश कमती, धर्मेन्द्र कुमार झा, कुणाल ठाकुर, श्याम सुंदर झा (दरभंगाक बिठौली सँ आयल मिथिला राज्य निर्माण सेनाक पूर्व अध्यक्ष जे विशिष्ट अतिथिक रूप मे सेहो छलाह), राजेश राय (दहेज़ मुक्त मिथिलाक राष्ट्रीय उपाध्यक्ष) सहित अन्य गणमान्य वक्ता लोकनि अपन-अपन विचार रखैत एहि अभियान केँ गाम-गाम धरि पहुँचेबाक आवश्यकता पर जोर देलनि। राजेश राय अत्यन्त भावुकता मे मैथिली मंचक प्रसिद्ध उद्घोषक राम सेवक ठाकुर रचित कन्या भ्रूण हत्यापर आधारित कविता “मानल जे बेटी छैथ सिता स्वरूपा त कोइखे में माहुर खुआयल कियैक जाय छै” सुनाकय श्रोता सबकेँ भाव-विभोर कय देलनि।

सांस्कृतिक कार्यक्रम मे मिथिलाक विभिन्न प्रसिद्ध कलाकार मध्य केशव रॉक, सर्वेश झा श्रवण, मनुआ ठाकुर, महंत झा आ श्यामानंदजी दर्शक लोकनिक भरपूर मनोरंजन कएलनि। विरार वसई केर नगर सेवक पुतुल रविन्द्र झा संग हुनकर पति प्रसिद्ध समाजसेवी रविन्द्र झा केर विशिष्ट उपस्थिति छल, संगहि सभाक अध्यक्षता कमल झा व अन्य अतिथि मे के के झा अन्वेषक, कमल कान्त मिश्र आदि छलाह। दहेज मुक्त मिथिलाक राष्ट्रीय अध्यक्ष पंकज झा द्वारा संस्थाक पिछला ६ वर्षक गतिविधि पर प्रकाश देबाक संग आगन्तुक अतिथि एवं सहयोगी समर्थक एवं दर्शक सभक स्वागत कएल गेल। मंचक संचालन रोशन मिश्रा कएलनि।

Related Articles