सम्पादकीय
काश्यप गोत्र धारण करबाक प्रथा आ मिथिलाक समाजवाद
मिथिला समाज मे सभक सहभागिता सँ सभ्यताक संरक्षण, संवर्धन आर प्रवर्धनक अनुपम इतिहास रहल अछि। आइ एकटा सन्दर्भ मोन पड़ल अछि जे गोत्र निर्धारणक खास व्यवस्था एतय परापूर्वकाल सँ रहि आयल अछि। जेकर कोनो गोत्र नहि छल ओकर गोत्र काश्यप भेल। ई किंवदन्ति बहुतो बेर पाठक लोकनि सुननहिये होयब। आउ, एक छोट अनुसंधान मार्फत एहि बात केँ मनन करी।
डा. लक्ष्मी प्रसाद श्रीवास्तव केर लिखल पोथी ‘लोक संस्कृति कोश – मिथिला खंड’ अनुरूप कश्यप व काश्यप गोत्र परिचयः
ब्रह्माक छह मानस पुत्र लोकनि मे सँ एक ‘मरीचि’ छलाह, जे स्वेच्छा सँ ‘कश्यप’ नामक मानसपुत्र उत्पन्न कएलनि। कश्यप द्वारा दक्ष प्रजापतिक सत्रह गोट कन्या (बेटी, पुत्री) संग विवाह कयल गेल, जिनका लोकनिक सन्तान-तालिका एहि तरहें अछि।
क्र. सं. स्त्री – पुत्र
१. अदिति – देवगण, आदित्य।
२. दिति – दैत्य
३. दनु – दानव
४. काष्ठा – अश्वादि
५. अनिष्ठा – गन्धर्व
६. सुरसा – राक्षस
७. इला – वृक्ष
८. मुनि – अप्सरागण
९. क्रोधबसा – सर्प
१०. सुरभि – गौ एवं महिष।
११. सरमा – श्वापद (हिंस्रपशु)
१२. ताम्रा – श्येन (गृद्ध आदि)
१३. तिमि – यादोयण जलजन्तु
१४. विनिता – गरूड़ और अरुण।
१५. क्रंद्रू – नाग
१६. पतङ्गी – कीट-पतंग।
१७. यामिन – शलभ आदि।
एहि सूची मे ब्रह्माजनित सृष्टि आ ताहि मे कश्यप केर भूमिकाक महत्व स्पष्टे अछि।
काश्यप एक प्रसिद्ध गोत्रियऋषि, जेकर गोत्रक कोनो पता नहि हो, ओ ‘काश्यपगोत्र’ धारण कय सकैत अछि। मिथिला मे सब वर्गक हिन्दू जाति मे एहि गोत्रक लोक बसैत अछि। ‘काश्यपगोत्र’ सब गोत्र मे सर्वाधिक लोकप्रिय आर अत्यंत व्यापक होएछ।
विद्वान् राकेश झा मिथिलाक इतिहास मे वर्णित गोत्र व्यवस्था सँ सम्बन्धित संस्मरण सुनबैत कहलनि जे गोत्र व्यवस्था, पंजी व्यवस्था, वैवाहिक सम्बन्ध तय करबाक निर्णय अधिकार आदि लेल मिथिला मे मध्यकालीन युग सँ प्रचलित अछि। एहि ठाम काश्यप गोत्र सब जाति-वर्ग द्वारा एहि लेल स्वीकार्य भेल जे गोत्र-व्यवस्था निर्धारणक समय मे जाहि कोनो जातिक लोक केँ अपन गोत्र सँ परिचिति नहि छल हुनका तात्कालीन काश्यप-गोत्री राजा अपन संतानवत् मानिकय अपनहि गोत्र प्रदान कएने छलाह आर प्रजा खुशीपूर्वक ओ आत्मसात कएने छल। एवम् प्रकारेन ई प्रथा मात्र आ मात्र मिथिला टा मे अछि जे विभिन्न गोत्रोत्पन्न मनुष्यक संग बहुल्य जाति-समुदाय काश्यप-गोत्रीय भेटत। ईहो एकटा अकाट्य प्रमाण भेल जे मिथिला मे सर्वजाति-समुदाय मे गोत्रक निर्धारण परापूर्वकाल सँ चलैत आबि रहल अछि।
आइ-काल्हि राजनीतिक स्वार्थ सिद्धि लेल आ मिथिला समाज केँ छहोंछित करबाक लेल भले कियो सियारपंथी केनिहार नेता वा मैनजन एतुका भाषा, संस्कृति, सभ्यता केँ कोनो खास जातिक वर्चस्व वा एकाधिकार केर मानि बैसय आ गलत प्रचार करय – लेकिन एतुका सिद्धान्त सदैव सम्पूर्ण समाजक समग्र चिन्तन करैत कोनो व्यवस्था कायम कएलक तेकर ई एकटा अकाट्य प्रमाण थिक जे जेकर अपन गोत्र पूर्वहि सँ निर्धारित नहि अछि त एतय रहनिहार सभक गोत्र काश्यप थिक। मिथिला सभ्यताक ईहो खासियत छैक जे बिना एक-दोसरक श्रमदान लेने आ ओकरा लेल सुनिश्चित अंशदान देने कोनो कार्य सविधिपूर्वक सम्पन्न नहि भऽ पबैत छैक। शुभ-अशुभ कोनो कार्य हो, सहभागिता सर्व-समुदायिक चाही। शास्त्र-पुराण सेहो जनककालीन मिथिला सँ आइ धरिक व्यवस्थापर किछु एहने राय रखैत अछि। मुदा राजनीतिक भुमड़ी मे आइ मिथिला समाज केँ फँसाकय एतुका समाज केँ बाँटि देल गेल अछि ईहो स्वीकार करहे पड़त। आर, सर्वस्वीकार्य एकजुटता लेल आब कठोर संघर्ष करहे पड़त।
हरिः हरः!!

2 Comments
गोत्रक प्रति निष्ठा कही वॉ हठ- धर्मिता, एंकर मान्यता निरंकुश रहल achhi । बहुतों gota ekra akshunna समाजिक व्यवस्था मानि ekra vahan करैत आबि rahlah achhi । अहि संबंधक खोज स ekta तथ्य अवश्य सामने abait achhi जे गोत्र के ब्लड-lineage स कोनो सम्बन्ध नहि छैक । ते samgotri व्यक्ति सभ में जेनेटिक साम्य होबक आशंका नहि rakhak चाही । मुख्य ऋषि प्रवरक नियत संख्या लय समूह बना K अपना नाम स गोत्रक नामकरण करैत छला । सत्य त इहो जे प्रवर ऋषि एकाधिक गोत्र समूह में प्रवेश kay jaait छला । गोत्रक स्थापना के आवश्यक तत्व chalaik गोत्र समूह द्वारा निर्दिष्ट वेदक संख्या, शाखा aaidk अनुसरण करब, प्रवर लोकिनक नाओ janab । ई हमरा जनैत बहुत paigh ID व्यवस्था chalaik जे आधुनिक सुविधा सभक भयानक अभाव में लोकक आ पारिवारिक समूह सभक बीच tadatmya सुरक्षित रखैत chalaik । सभ व्यवस्था के अपन आयु hoit छैक जकरा तहि रूप में देखल जेबाक चाही । katok thaam एक्के गोत्र में विवाह करबाक viral परिपाटी brahmanetar हिन्दू समाज में देखबा में abait achhi आ जकर कोनो biological नोकसान seho तथ्यात्मक रूप में आइ धरि प्रकाश में नहि आयल achhi । संसार में कतहुँ आन thaam अहि व्यवस्था स लाभ उठबै बला जन समूह सहो देखबा में नहि अबेछ । व्यवस्था में अपनो त्रुटि अमान्य रूपे चुनौती रहल achi, यथा गोत्र ज्ञानक अभाव में ओहि व्यक्ति के कश्यप अथवा काश्यप मानि लेल जाईं । गोत्र सूचनाK अभाव जों अस्थायी हो आ ivvahaidk पश्चात् ज्ञात होईक जे
विवाह कार्य सामगोत्रि भेल छलेक takhan ओकर निवारण के व्यवस्था की होयत? Our daughters join a new gotta upon marriage. They face new challenges of probability that their third or fourth generation children might be marrying back into their father’s gotra. Like other religions we do not have any central body among us Maithils whose decisions would be commensurate with time and our needs. The system allowing wedding after 7 generations on the daughter,s side is scientific and practical given the dilution of chromosomes by 50 percent with each advancing generation. ( I am so sorry Pravinji, I could not hack the alphabet in Devnaagri as it was spitting out multiple misspelt words.)
सुन्दर वैज्ञानिक तर्क सँ व्यवस्थाक औचित्यपर प्रकाश देबाक लेल धन्यवाद सरजी।
मात्र मैथिल ब्राह्मणक बात कएल जाय आर पंजी परंपरा, वैवाहिक सम्बन्ध निर्धारण, सभागाछीक परंपरा, अधिकार निर्णय, सिद्धान्त लेखन आदि पर ध्यान देल जाय त स्पष्ट होएत छैक जे दुनियाक सब सँ कठिनतम पद्धति मैथिल ब्राह्मणहि केर विवाह मे अपनायल जाएत रहल अछि। आइ, जखन विज्ञान एतेक रास बात – कहू न रहस्य सब सँ पर्दा उठा देलक अछि त हमरा लोकनि वृहत् दृष्टिकोण राखि पबैत छी वर्तमान सन्दर्भ सब जोड़िकय…. मुदा हम कनेक रूढिवादी बनियेकय एकटा जिगेसा करब जे आखिर एतेक सोचिकय त पहिने पद्धति एकदम नहि बनाओल गेल होयत, तखनहु हम सब जे प्रसंग जोडिकय सान्दर्भिकता आ प्रासंगिकता पर विचार करैत छी से कतेक न्यायपूर्ण बुझाएत अछि? जँ, पूर्वक दृष्टि केँ एकटा वेदानुरूप जीवन-निर्देशन मानिकय मात्र आध्यात्मिक महत्व मनन करैत छी त सहजहि अनुभूति होएत अछि जे हम जतेक मजबूत पहिने एहेन-एहेन दृढतापूर्ण आ कठोरतम मापदंड संग छल तखनहि वाचस्पति, मंडन, विद्यापति, अयाची, शंकर, पक्षधर, बच्चा झा, गंगेश उपाध्याय, आदि समान प्रखर सन्तान पबैत रही आर मिथिला मे कुल छः मे सँ चारि महाशास्त्रीय दर्शनक अन्वेषण मिथिलाक ओहने-ओहने महापुरुष सब द्वारा भेल… जे आब नहि भऽ पाबि रहल अछि। कनेक मनन ओहू दिशा मे करू आ बताउ त जे ई गोत्र व्यवस्थाक वर्तमान समीक्षा ओहि दृष्टिकोण सँ कतेक लाभदायक भेल, ई आइयो सान्दर्भिक आ प्रासंगिक अछि वा नहि। हरिः हरः!!