सुभाषचंद्र झा, सहरसा। फरबरी २७, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिला संस्कृति संरक्षण व संबर्धन शोध परिषद के द्वारा सुफल सेवा संस्थान के सौजन्य स वनगामक भगवती स्थान में मिथिलाक्षर साक्षरता अभियान व मिथिला चित्रकारी प्रतियोगिता के आयोजन कयलक जाहि में कार्यक्रम के अध्यक्षता प्रख्यात शिक्षाविद अवकाश प्राप्त नेतरहाट, प्रोःअभिमन्यु खॉ कयलनि । जाहि में मुख्य अतिथि डॉ रामनरेश सिंह, पूर्व विधायक संजीव कुमार झा, प्रो अरविंद कुमार नीरज, शक्ति नाथ मिश्र, गोपाल झा ,प्रोफेसर गौतम कुमार, सुदीप कुमार सुमन, शशिधर झा,सुमन समाज अपन विचार व्यक्त कहलनि जे एहि तरहक आयोजन स मातृभाषा के विकास होयत, कला संस्कृति के रक्षा होयत । प्राथमिक विद्यालय में मैथिली के पढाई, सरकारी कार्यालय,बैक ,पोस्ट ऑफिस सब जगह मैथिली में आवेदन देल जयबाक प्रयास शुरू करबाक संकल्प लेल गेल । संस्थान द्वारा गामें गाम कार्यक्रम चलायत ताहि क्रम में चैनपुर में अगिला कार्यक्रम राखल गेल अछि जकर जानकारी भाई दीप नारायण ठाकुर के देल गेल जे स्वयं उपस्थित भ कार्यक्रम आयोजन करबा लेल सहमति जतौलनि ।