Search

सहरसा मे कोशी महोत्सव एहि बेर २४‍‍-२५ मार्च केँ, प्रकाशित होयत स्मारिका सह सचित्र विवरणिका

131 भ्यूज

सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। फरबरी २६, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

कोशी क्षेत्रक धार्मिक पौराणिक एवं ऐतिहासिक विरासत के अक्षुण्ण रखबा के लेल कतेको वर्ष स कोशी महोत्सव केर आयोजन जिला मुख्यालय में कयल जाइत रहल अछि । पूर्वहि जेकाँ एहि साल कोशी महोत्सवक तैयारीक लेल आयोजित पहिल बैठक में महोत्सव केर आयोजनक तिथि केर घोषणा कयल गेल ।

स्थानीय विकास भवन सभागार में जिला पदाधिकारी बिनोद सिंह गुंजियालक अध्यक्षता में कोसी महोत्सव 2017 केर सफल आयोजन हेतु बैठक आयोजित भेल । जिलाधिकारी कहलनि जे कोशी वासी केर सहयोग स काफी धूमधाम स सब साल कोशी महोत्सव मनायल जाइछ । कोसी महोत्सव केर आयोजन 24 एवं 25 मार्च 2017 केँ निर्धारित कयल गेल अछि । सर्वसम्मति स कोशी महोत्सव आयोजन केर तिथि 24 एवं 25 मार्च 2017 केँ निर्धारित कयल गेल ।

महोत्सव केर उद्घाटन संध्या समय में करबाक निर्णय लेल गेल । शहर केर गणमान्य व्यक्ति द्वारा सुझाव देल गेल कि एहि वर्ष नामचीन कलाकारक संग-संग कोशी के स्थानीय कलाकार के सम्मिलित कयल जायत । कोशी महोत्सव 2017 केर अवसर पर स्मारिका सह सचित्र विवरणिका प्रकाशन के सेहो निर्णय लेल गेल। जाहि में आलेखक साथ-साथ पुरातात्विक, धार्मिक एवं पर्यटन स्थलक सचित्र विवरण प्रकाशित कयल जायत ।

Related Articles