सुभाषचंद्र झा, सहरसा। फरबरी २४, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
समान काजक समान वेतनमान के लय शिक्षक सभ निकाललनि मशाल जुलूस
सहरसाक जिला शिक्षक नियोजित संघ केर तत्वावधान में वृहस्पति दिन समान काजक समान वेतन व समान सेवा शर्त, राज्यकर्मी केर दर्जा सहित विभिन्न मांग लेल राज्य संघ केर आह्वान पर बिहार राज्य प्रारंभिक शिक्षक संघ सहरसा द्वारा मशाल जुलूस निकालल गेल । संघ केर प्रदेश सचिव निरंजन कुमार कहलनि जे सरकार नियोजित शिक्षक संग भेदभाव आ वादाखिलाफी कय रहल अछि ताहि कारण सँ आइ नियोजित शिक्षक आंदोलन पर उतारू भेल अछि । हमर सभक मांग नहि मानल जायत त हम सब विधानसभाक घेराव करब । एहि कार्यक्रम में भारी संख्या में नियोजित शिक्षक सभक उपस्थिति छल ।