श्रीचंद कामत, दिल्ली। फरबरी १५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
मैथिली साहित्य महासभा द्वारा दिनांक 14 फरबरी, 2017 के दिल्ली स्थित भारतीय मजदूर संघ, दत्तोंपत ठेंगड़ी भवन में शाम के 4 बजे स राईत के 7:30 बजे धरि वसंतोत्सब पर मैथिली कवि गोष्ठी आयोजित भेल ।
एहि कवि गोष्ठीक अध्यक्षता मिथिलाक प्रसिद्ध कवियित्रि श्रीमति निवेदिता मिश्रा”झा” जी आ मंचक संचालन मधुर आवाज़क स्वामी, टी.वी उदघोषक श्री कंत शरण जी कयलनि । एही कवि गोष्ठी के मिथिला राज्य संघर्ष समिति के राष्ट्रीय प्रवक्ता श्री शिशिर कुमार झा जी, यूनियन ऑफ रेलवे पुलिस बल के महासचिव श्री उमाशंकर झा जी आ भारतीय रेलवे के सेवानिवृत पूर्व वरिष्ठ अधिकारी श्री कामेश्वर चौधरी जीक सानीध्य सेहो भेटल । कार्यक्रमक सुरूआत श्री अमरनाथ झा जीक अध्यक्षीय भाषण स भेल । एहि कवि गोष्ठी में श्री मति कुमकुम झा, श्री महेश डखरामी, श्री विमल जी मिश्रा, श्रीचंद कामत, श्री वीनित उत्पल, श्री इंद्रकान्त झा”आजाद”, श्री मणिकान्त जी, श्री संजीत कुमार झा, श्री अरुण कुमार झा, श्री नीरज झा आदि युवा कविगण सुन्नर काव्य प्रस्तुति कयलनि ।
कार्यक्रमक आकर्षण महेश डखरामी जीक शब्दजाल स भरल कविता, विमल जीक मनमोहक वेलेंटाईन डे स्पेशल गीत , श्रीचंद कामत जीक टटका रचना “ मनक बात” आ “चानन सन देह तोहर”, संजीत जीक मनमोहक कविता, मनीकान्त जीक विद्यापति वृतांत, नीरज जीक कर्णप्रिय रचना आ इंद्रकांत जीक रचना छल । आजूक कवि गोष्ठी में श्री कैलाश कुमार मिश्रा(शिक्षा-विद), श्री केशव झा( क्राईसील के अधिकारी), श्री दिलीप मिश्रा( खाद्य-प्रसंस्करण मंत्रालय में वरिष्ठ अधिकारी), श्री मनोज चौधरी(अधिवक्ता), श्री उमेश चतुर्वेदी(वरिष्ठ पत्रकार), श्री सुनील पवन ( गायक), श्री शरद झा ( मैथिल अभियानी), समाजसेवी श्री अभिषेक मिश्र आदिक उपस्थिती विशेष उल्लेखनीय रहल । बीच-बीच में मंच संचालक श्री कन्त शरण जीक मधुर स्वर सेहो गूंजैत रहल । कवि गोष्ठी में तकरीबन 9० स ज्यादा मैथिलक उपस्थिति छलाह ।
एहि क्रम में मैथिल अभियानी श्री नीरज झा जी दिल्ली में एक टा पुस्तकालय जाहि में मैथिली पुस्तक के संजोगि क राखल जा सकय तेकर आवश्यकता जनौलनि । अंत में कवि गोष्ठीक अध्यक्षा श्री मति नीवेदिता मिश्रा”झा” अपन अध्यक्षीय भाषण प्रस्तुत कयलनि आ सब युवा कविगण के प्रयास के सराहलनि। कार्यक्रमक समापन मैथिल साहित्य महासभाक कार्यकारिणी समिति के महासचिव श्री संजीव सिन्हा जी के धन्यवाद ज्ञापन स भेल । संगहि सब गोटे के हकार देलयनि जे सब गोटे कम स कम ३-३ मैथिल के लय २१ तारीख के कंस्टीट्यूशन क्लब में मैथिली साहित्य महासभा के तृतीय वार्षिक संगोष्ठी में जरूर आबि । कार्यक्रमक समाप्ति पश्चात जलपानक व्यवस्था सेहो छल ।