Search

खजौली स्थित सिंहजीक चुड़ा मिल जैरकय खाख भऽ गेल

125 भ्यूज

रवीन्द्र भारती, खजौली। फरबरी १०, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

राति खजौली बाज़ार स्थित एक चुड़ा मिल में आगिलग्गी सँ सब सम्पत्ति खाख मे मिल जेबाक दुखद समाचार भेटल अछि । एस्बेस्टस केर मकान सहीत सब मशीन आ धान-चुड़ा आदि जैरकय खख्स्याह भऽ गेल ।

मिल मालिक मनियरवा निवासी संजय सिंह केर कहब अयि जे काल्हि सायंकाल ७ बजे दोकान बंद कय ओ घर चलि गेल छलाह । राति ३ बजे स्थानीय लोक खबैर देलकैन जे अहाँक चुड़ा मिल मे भयंकर आगि लागि गेल अछि । ओ जा धरि ओतय पहुँचला ता धरि सब सम्पत्ति जैर गेल छल । आगि सँ लगभग ३ – ४ लाखक संपत्ति जैर जेबाक रिपोर्ट थाना मे दर्ज करौलनि आर आशंका ईहो प्रकट कएलनि जे कोनो आपराधिक तत्त्व द्वारा जानि-बुझिकय आगि लगाओल गेल जखन कि पुलिसक तफ्तीश सँ पता लागल जे आगि चुड़ा मिल केर भट्ठी सँ पसरल । मिल मालिक द्वारा अज्ञात व्यक्ति पर खजौली थाना आ अंचल अधिकारी खजौली केर पास प्राथमिकी दर्ज करावोल गेल । मिल मालिक केर एकमात्र व्यवसाय लअ दअ कअ छेलैन ओ आब पुर्ण रुपेण असहाय भऽ जेबाक बात सेहो कहलनि ।

Related Articles