भारतवर्षक लब्धप्रतिष्ठित वैज्ञानिक डा. सुभाष नहि रहलाह

ईशनाथ झा, नरुआर, मधुबनी। फरबरी १२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

आइ दिनांक 12-02-17 कें अपराह्न दू बजे सँ दुर्गा मंदिर परिसर, नरुआर (झंझारपुर) मधुबनी मे गामक यशस्वी व अतिप्रतिभावान पुत्रक आकस्मिक निधन पर शोक सभा आयोजित कयल गेल ।

भारतवर्षक लब्धप्रतिष्ठ वैज्ञानिक मे सँ एक डॅा सुभाष चंद्र मिश्र (जन्मः 15-12-1965 मृत्युः 08-02-2017) केँ जन्म मधुबनी जिलान्तर्गत नरुआर गाम मे भेल छल ।

IIT KANPUR सँ Mechanical Engineering मे एम टेक आ पीएचडी केलाक बाद ओ IIT GUWAHATI मे प्रोफेसर नियुक्त भेलाह । सहज, सौम्य आ सरल व्यक्तित्वक धनी प्रो झा कतेको विदेशी नौकरी छोड़ि अपन स्वदेश मे रहबाक संग अध्यापन पेशा मात्र केँ जीविकोपार्जनक माध्यम बनौलनि । एखन धरि हुनकर 280 शोध प्रबंध प्रकाशित छनि, संगहि गोटेक चालीस टा पीएचडी शोधार्थी केर गाइड सेहो रहलाह ।

नरुआर गाम अपन अभूतपूर्व लाल केर असामयिक निधन पर शोकमग्न अछिये, ई नोक्सानी संपूर्ण मिथिलाक संग देश व विश्व मानव समुदाय लेल सेहो थीक । एक प्रतिभावान वैज्ञानिक जे निरंतर अपन महत्वपूर्ण कार्य सँ सेवारत छलाह, आब हुनकर स्थान रिक्त भऽ गेल अछि ।

डा. मिश्र ब्रेन ट्यूमर समान खतरनाक रोग सँ पीड़ित छलाह । अपन पाछाँ पत्नी एवं दुइ गोट संतान छोड़ि गेलाह अछि जे दुनू भाइ IIT केर छात्र छथि । हिनक जेठ भाई प्रो. वीरेन्द्र कुमार मिश्र, जनता कालेज झंझारपुर मे भौतिकी विज्ञान विभाग सँ सेवानिवृत्त छथि ।