लेफ्टिनेन्ट गौतम कुमार बढौलनि मिथिला के नाम

सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। फरबरी १२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

गणतंत्र दिवस केर अवसर पर दिल्ली परेड में गंगजला निवासी एनसीसी के लेफ्टिनेन्ट गौतम कुमार केँ प्रधानमंत्री व राष्ट्रपति सँ भेंट करबाक अवसर भेटलनि । दुनू गोटे श्री कुमार केँ बधाई दैत हुनकर उज्जवल भविष्य केर कामना कयलनि । एहि सफलता पर स्थानीय एनसीसी अधिकारी व कैडेट सब प्रसन्नता व्यक्त कयलनि अछि ।

आजादीक बाद पहिल बेर बिहार व झारखंड केर एनसीसी डाइरेक्ट्रेट कंटिजेन्ट एएनओ लेः गौतम कुमार केर चयन नई दिल्ली जनपथ में 26 जनवरी 17 गणतंत्र दिवस में उपरोक्त भेंटघाँट लेल भेल छलन्हि । दिल्लीक त्रिमुर्ती भवन में आयोजित टी पार्टी व पीएम रैली में नरेन्द्र मोदी केर संग व राष्ट्रपति भवन में आयोजित एट होम टी पार्टी में राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जी संग भेंटघांटक अवसर भेटलन्हि । तकर बाद उप राष्ट्रपति हामिद अंसारी व सेनाक तीनू अंगक सेना प्रमुख केर संग सेहो टी पार्टी में ओ शामिल भेलाह ।

दिल्ली सँ वापस आबि पटना में राज्यपाल रामनाथ कोविद सँ सेहो भेट-मुलाकात कयलनि । सब स महत्वपूर्ण ई अछि जे श्री कुमार केँ बिहार व झारखंडक बेस्ट एनसीसी अधिकारी घोषित कयल गेल अछि । शनिवार केर इंटरसीटी ट्रेन सँ सहरसा पहूचला पर स्थानीय कैडेट सब फूल माला पहिरा कय स्वागत कयलक । मधेपुरा कॉलेज मधेपुरा में गौतम कुमार केर स्वागत एमएलटी कॉलेज के प्राचार्य डॉ के पी यादव, मधेपुरा कॉलेज मधेपुरा के प्राचार्य डॉ अशोक कुमार, सर्व नारायण सिंह कॉलेज के प्राचार्य डॉ के एस ओझा, प्रभारी एनसीसी आफिसर चन्द्रशेखर अधिकारी, मेजर पी के सिंह, विद्यार्थी परिषद केर प्रदेश कार्य समिति सदस्य मोनू झा व सीनियर आफिसर गोलू कुमार सहित कतेको गणमान्य लोक सब बधाई व शुभकामना देलनि अछि ।

मिथिला राज्य निर्माण सेनाक राष्ट्रीय उपाध्यक्ष सुमन खाँ समाज गौतम कुमार केर उपलब्धि केँ भरपूर सराहना करैत कहलैन जे अपन मिथिला मे आइयो एक सँ बढिकय एक विभूति सब छथि जिनका सब केँ एकत्रित करबाक काज आब मिथिलाक अपन राज्य बनले पर संभव होयत तेना लगैत अछि। लेकिन ई काज करबाक लेल सब कियो अपना स्तर पर सक्रियता सँ लागि जाय ओ अनुरोध कएलनि।