सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। फरबरी १२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिला के लाल कयलक कमाल, सहरसा एक बेर पुनः गौरवान्वित भेल। भारत सरकार द्वारा नेशनल डिफेंस सर्विस परीक्षा में प्रथम स्थान प्राप्त कय अपन प्रतिभा केर लोहा मनबौलनि अछि सागर कुमार झा पिता श्री मिहिर कुमार झा ग्राम चैनपुर जिला सहरसा ।
सीडीएस परीक्षा अखिल भारतीय स्तर पर आयोजित होइछ जाहि में श्री झा केँ सहायक कमान्डेन्ट पद भेटतन्हि । हुनक सफलता पर चारू तरफ बधाई व शुभकामना केर दौर चलि रहल अछि । हुनक सफलता स मिथिला पुनः गौरवान्वित भेल अछि । IIT केर छात्र रहि चुकल सागर कुमार झा UPSC द्वारा आयोजित Assistant Commandant परीक्षा मे प्रथम स्थान अायल छथि ।
कोचिंग संचालक संदीप कश्यप कहलनि जे एहि ठाम प्रतिभाक कमी नहि अछि । ओकर प्रमाण अछि सब साल सहरसा के वनगॉव, पड़री, चैनपुर, महिषी, नवहट्टा सँ देशक मुख्य परीक्षा सब मे सफलता हासिल कय रहल अछि । श्री झा केर चयन पर मिथिला राज्य निर्माण सेनाक सहरसा अध्यक्ष भोगेन्द्र शर्मा, राष्ट्रीय उपाध्यक्ष सुमन समाज तथा राष्ट्रीय सचिव सुभाष चन्द्र झा, मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार प्रो. अरविंद कुमार मिश्र नीरज, पारस कुमार झा, समाजसेवी प्रवीण आनंद, मनोज गुप्ता हुनक उज्जवल भविष्य केर कामना संग शुभकामना व्यक्त कयलनि अछि ।

4 Comments
Dher ras subhkamna, Maa Bhagbati hunkar jingi hardam ujwal rahain.
Dher ras subhkamna, maa bhagvati hunkar bhavisya aur desh ke bhabiy ujwal karthin.
Dher ras subhkamna.
Dher ras subhkamna