कारबाइन सँ आक्रमणमे मारल गेल निर्दोष नागरिक आलम

रवीन्द्र भारती, खजौली, मधुबनी। फरबरी १०, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

जयनगर केर भेलवा मे बुध दिन पुर्व जिला परिषद् आर वर्तमान दुल्लीपट्टी पंचायत समिति पुरुषोतम झा उर्फ़ सतन पर तीन अज्ञात अपराधी कारबाइन स लगभग २०-२१ राउण्ड फायरिंग केलक। एहि वीभत्स गोलीकाण्ड मे सतन त बाँचि गेल, मुदा ५५ वर्षक मो. आलम केँ एक गोली लागि गेलाक कारण ओ ओत्तहि घायल भऽ खैस पड़ल। बाद मे स्थानीय स्वास्थ्य केन्द्रपर ओकरा इलाज नहि भेट पेबाक कारण ओकर मृत्यु भऽ गेल जाहि सँ इलाका मे तनाव देखल जा रहल अछि। परिजन सभक आरोप छैक जे निजी स्वास्थ्य केन्द्र सब इलाज नहि केलक, समय पर इलाज सँ ओकरा बचायल जा सकैत छलैक।
एहि तरहें अपना आँखिक सोझाँ निर्दोष पिता केँ गोली लागि छटपटाइत देखि मृतकक पुत्री पिताकेँ बचेबाक लेल सहायता हेतु एतेक चिचियाअल जे आब ओकरा मुंह सँ वाक पर्यन्त हरण भऽ जेबाक दुखद समाचार अछि। किछु पूछला पर ओ बजबाक कोशिश करैत अछि मुदा आवाज नहि निकलैत छैक।
आलम केर मृत शरीर सहित स्थानीय लोक सब मुख्य सड़क जाम कय देने अछि। ओकरा सभक मांग दोषी केँ पकड़बाक, मृतकक परिवार केर सदस्य केँ मुवाबजा तथा सरकारी नौकरी देबाक छैक। एहि दुर्घटनाक बाद सँ घंटो धरि सड़क जाम रहल अछि। बाद मे उच्चाधिकारी सब आबि आक्रोसित भीड़ केँ बुझा-मनाकय उचित आश्वासन देलाक बाद मृतकक शरीर केँ पोस्टमार्टम वास्ते मधबनी भेजल गेल।
परिवारक सदस्य सभक शिकायत छल जे गोली लगला बादो बाइच सकैत छल मुदा निजी अस्पताल सभ के लाखों निहोरा केला बादो कतेको निजी अस्पताल लगेला बादो केयो इलाज करबाक लेल आगा नै आयल। साथे थाना नजदीक होयतो पूलिस फोर्स केँ करीब १ घंटा लागि गेलैक घटनास्थल पर पहुँचय में। पुलिस प्रति जनआक्रोश यैह कारण बेसी देखल गेल। विगत वर्ष सेहो एक आदमी केँ गोली मारिकय हत्या कय देल गेल रहय। एहि तरहक लापरवाही सँ प्रशासनक कमी-कमजोरी पता चलैत छैक आर स्थानीय जनमानस मे सुरक्षा व्यवस्थापर सँ विश्वास खत्म होएत छैक।
एहि घटना सँ पूरा क्षेत्र मे भय आर आक्रोश देखल जा रहल अछि। लोक अपन जानक सुरक्षा लेल पूर्णतः चिंतित देखा रहल अछि। सतन झा सँ पुछला पर पता चलल जे ओ सबेरे अपन बुलेट सँ बाहर काज लेल निकलले छलाह कि अधरस्ते मे अपराधी सबकेँ मुँह पर गमछी बन्हने हथियार सहित आक्रमणक तैयारी मे देख लेलैन आर तेकर बाद जान बचेबाक लेल ओ मुख्य रस्ता सँ गलीक दिशा मे भागय लगलाह। आगाँ ब्रेकरपर ठोकर लागि ओ खैस पड़लाह आर ताहि घड़ी अपराधी द्वारा चलायल गोली सामने ठाढ मो. आलम केर पेटमे लागि गेल। घटनाक पाछाँ पुरान जमीन विवाद केर बात कहल जा रहल अछि।
मृतक केर परिवार केँ एहि वास्ते विभिन्न सरकारी लाभ दियेबाक अनुशंसा कयल गेल अछि तथा आपराधी केँ जल्द सँ जल्द पकड़बाक आश्वासन सेहो देल गेल अछि। काल्हि दोसरो दिन बितलाक बादो पुरै बाजार मे सन्नाटा पसरल रहल। एखन धरि आपराधी पकड़ मे नहि आयल आ पुरा परिवार शोक मे डूबल अछि।
एम्हर अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद् तथा भाजपा कार्यकर्ता सब ९ फरवरी केँ सतन झाक सर्मथन में और आपराधी सबकेँ पकड़बाक लेल प्रशासन केँ द्रुत कार्रबाई करबाक अपील केलक अछि। छात्र नेता धर्मेन्द्र झा उर्फ बौआ झा संगे बहुतो रास अन्य कार्यकर्ता आ भारी जनसमूह रैली मे उपस्थित छलाह।