रवीन्द्र भारती, खजौली, मधुबनी। फरवरी ९, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
मध्य विद्यालय कन्हौली दुसाद टोल केर आँखिक देखल बात
मध्य विद्यालय कन्हौली जे गामक दुसाध टोल मे अवस्थित अछि, जतय सैकड़ों गरीब-गुरबाक बच्चा सब पढाई करैत अछि, काल्हि ओतय बालमेलाक आयोजन होयत जाहि हेतु आइयो छात्र-छात्रा सबकेँ तैयारी करायल जा रहल छल। विभिन्न प्रतियोगितात्मक कार्यक्रम मे जीत हासिल करबाक खास गुर सिखेबाक संग-संग अन्यान्य विषयपर ओकरा सब केँ सीख देल जेबाक जनतब प्रशिक्षक देलनि।
एहि विद्यालय सँ जनवरी मास में सेहो पंचायतक मुखिया द्वारा आयोजित प्रतियोगिता मे गणित दौड़ परीक्षा मे प्रथम पुरस्कार प्राप्त कएल गेल छल। एखनहु बहुतो बच्चा सब अहि अतिरिक्त गतिविधि प्रति ओतेक रुचि नै राखैत अछि से विद्यालय प्रभारी मो. रहमान अंसारी कहलैन । विद्यालय पहुँचला पर प्रभारी सहित दुगो सहायक देवकुमार चौधरी और रेणु देवी तथा सैकड़ों छात्र-छात्रा उपस्थित देखल गेल ।
लम्बा दौड़, उँचाई कूद व गणित दौड़ केर पूर्वाभ्यास सेहो भेल । प्रभारी कहलैन जे बच्चा सब प्रतियोगिता मे प्रथम, द्वितीय, तृतीय स्थान लाओत ओकरा सबकेँ विद्यालय स्तर सं पुरस्कारित कायल जायत । मध्याह्न भोजन में चावल व सोयाबीन बनल छल । विद्यालयक भोजन सं छात्र छात्रा संतोषप्रद जवाब देलक । मगर विद्यालय पर जल के व्यवस्था उतम नै छल । शौचालय के लेल बच्चा कमला समस्या देखेलीह, पुछला सँ बतौलैन कि शौचालय में ताला लगल रहैत अछि ।