रवीन्द्र भारती, खजौली, मधुबनी। फरबरी ९, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
पैछला दिन ४ फरबरी केँ अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद् केर बाबूबरही ईकाईक बैसार नगर मंत्री अशोक कुशवाहाक अध्यक्षता में संपन्न भेल अछि। बैठकक प्रक्रिया पूरा कराबय आयल जिला संयोजक गीतेश कुमार झा कहलनि जे आगामी ६ फरवरी केँ जिला सम्मेलन करबाक जे निर्णय लेल गेल छल ताहि में परिवर्तन करबाक बाध्यता एहि कारण सँ भेल अछि जे १२वीं और १०वीं केर परीक्षा माथे पर अछि आर छात्र सब केँ एहि महत्वपूर्ण परीक्षाक तैयारी मे कोनो तरहक बाधा पूर्व निर्धारित कार्यक्रम सँ नहि हो ताहि लेल उपरोक्त तारीख बढायल गेल अछि। आब ई बैसार आगामी ११ मार्च केँ कएल जायत। अहि सं पहिने मधुबनी जिलाक सब नगर में भऽ रहल छात्र सभक मूलभूत असुविधा आर सामाजिक असुविधा कोना दूर कएल जायत ताहि पर जिला सम्मेलन द्वारा उचित निर्णय लेल जायत।
