विकास वत्सनाभ, हरिणे, मधुबनी। फरवरी २, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
भारत-नेपालक सीमा सँ सटल हरिणे गाम मे दिनांक ३१/०१/२०१७ केँ पोतगाह मध्य विद्यालयक प्रधानाध्यपक श्री बेदानंद झा जीक सेवानिवृतिक उपलक्ष्य मे एक गोट बृहद मैथिली कवि गोष्टिक आयोजन कएल गेल। एहि गोष्ठी मे भारत आ नेपाल दुनू पार सँ आयल करीब दू गाही कवि लोकनिक सहभागिता रहल।
गोष्ठीक अध्यक्षता नेपालक वरिष्ठ कवि आ गीतकार श्री अयोध्यानाथ चौधरी आ संचालन युवा कवि गुँजन श्री द्वारा कएल गेल। कार्यक्रमक आरम्भ आगत अतिथि केँ बेदानंद झा जी द्वारा पाग पहिरा स्वागतक उपरान्त आनंद मोहन झा द्वारा गया सरस्वती बंदना सँ भेल जकरा निरंतरता दैत अजित आज़ाद, रूपेश त्योंथ, ऋषि वशिष्ठ, प्रणव नार्मदेय, गोपाल झा अभिषेक, विनय विश्वबंधु, सच्चिदानंद सच्चू, बालमुकुन्द पाठक, अंशुमान सत्यकेतु, मैथिल प्रशांत, अक्षय आनन्द सन्नी, जीत कुमार झा, नारायण जी मिश्र , विकास वत्सनाभ आदि कवि लोकनि अपन कविता पाठ सँ श्रोता केँ प्रभावित केलनि ।
गोष्ठीक संयोजन युवा कवि विकाश वत्सनाभ केलनि ।अपन परिवेश मे अपना तरहक पहिल आयोजन रहितो ई गोष्ठी खूब सफल रहल जाहि मे विशेषतः महिला स्रोताक उपस्थिति एहि बातक भरोस दैत अछि जे एखनहुँ एहि तरहक आयोजन गाम घर मे अकानल जाइत अछि आ भाषा संस्कृतिक उत्थानक लेल एहि तरहक कार्यक्रमक केँ निरंतर होइत रहबाक खगता छैक ।