मधुबनीक जे. एन. कालेज मे मनाओल गेल ललित जयन्ति

ललित जयन्ती, जे एन कॉलेज, मधुबनी

‍‍- समाचार साभारः प्रो. दमन कुमार झा द्वारा फेसबुक अपडेट

मधुबनी, फरवरी २, २०१७.

lalit jayantiआइ स्व. ललित नारायण मिश्रक जन्मदिनक उपलक्ष्यमे जगदीश नन्दन महाविद्यालय, मधुबनीमे ललित जयंती मनाओल गेल, जकर अध्यक्षता महाविद्यालय के प्रधानाचार्य डॉ प्रेम कुमार प्रसाद कयलनि।

एहि अवसर पर मुख्य अतिथि ओ वक्ताक रूपमे उपस्थित छलाह डॉ सर्वनारायण मिश्र। अपन वक्तव्यमे डॉ मिश्र कहलनि जे ललित बाबू मिथिलाक उद्धारक छलाह। महाविद्यालयमे हुनक आगमन केँ बहुत रोचक ढंग सँ वर्णन कयलनि। लगभग डेढ़ घंटाक अपन वक्तव्य मे ओ हुनका सँ सम्बंधित कतेको तथ्यकेँ रोचकताक संग प्रस्तुत कयलनि।

अपन अध्यक्षीय वक्तव्यमे डॉ प्रेम कुमार प्रसाद कहलनि जे ललित बाबू एहि ठामक माटि पानि सँ जुड़ल लोक छलाह। हुनक दृष्टि बहुत सूक्ष्म छलनि । बहुत जल्दी कोनो बात केँ पकड़ि लैत छलाह। हुनकर पहुँच सत्ताक सर्वोच्च शिखर धरि लगले भ गेल छलनि। ई मिथिलाक कल्याण लेल सतत चिंतनशील रहैत छलाह। हिनक असामयिक मृत्यु मिथिला केँ बहुत पाछू क देलक।

धन्यवाद ज्ञापन डॉ अरुण कुमार ठाकुर द्वारा आ कार्यक्रमक संचालन हमरे (दमन कुमार झा) द्वारा कयल गेल।

एहिसँ पूर्व आगत अतिथि ओ अध्यक्ष केँ पाग माला,आ पुष्प गुच्छ सँ सम्मानित कयल गेलनि, जाहिमे सहयोग केलनि, गीता कुमारी, अरुण कुमार ठाकुर आ मोहित मंडल। एहि अवसर पर सोनू कुमार झा,कामेश्वर झा, प्रमोद कुमार झा, देवेंद्र राम, सतीश चौधरी, रामचंद्र कामत, इन्दू सिंह बबलू मिश्र आदि उपस्थित छलाह।