हरिणे मे संपन्न भेल साहित्य गोष्ठी, अवसर शिक्षक अवकाश दिवसक

अक्षय आनन्द सन्नी, शिवनगर, मधुबनी। फरवरी १, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

harineमधुबनी जिलान्तर्गत हरलाखी प्रखंडके हरिणे गाममे बीतल मंगल दिन ग्रामीण ओ क्षेत्रके चर्चित शिक्षक श्री वेदानंद झा जीके सेवानिवृतिक उपलक्ष्यमे वृहत कवि गोष्ठीक आयोजन कएल गेल. श्री झा केर निजी आवास पर आयोजित उक्त गोष्ठीक अध्यक्षता नेपालक मिथिलाके बेस ख्यातिप्राप्त कवि ओ गीतकार अयोध्यानाथ चौधरी कएने छलाह.

harine1जमा दर्जन भरि सऽ बेसी कविक सहभागिता रहल एहि कवि गोष्ठीक शुरूआत चर्चित कवि आनंद मोहन झा जी द्वारा सरस्वती वंदनाक गायन सऽ कएल गेल. तत्पश्चात रूपेश त्योंथ, मैथिल प्रशांत, अजित आजाद, सच्चिदानंद सच्चू, ऋषि वशिष्ठ, विकास वत्सनाभ, बाल मुकूंद, अंशुमान सत्यकेतु, अक्षय आनंद सन्नी, नारायण झा, विनय विश्वबंधु, प्रणव नार्मदेव सहित अन्य कवि लोकनि अपन रचना प्रस्तुत कऽ उपस्थित जनसमूहके वाह-वाह करएमे मजबूर कऽ देने छलाह.

मंच संचालनक भूमिका युवा कवि गुंजन श्री निमाहने छलाह. एहि अवसर पर क्षेत्ररक दर्जनों साहित्यजीवी, बुद्धिजीवी व श्रमजीवी उपस्थित छलाह.