दिल्ली, जनवरी २६, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा दरभंगा मे देशक ६८म गणतंत्र दिवस पर कोषाध्यक्ष शंकर नाथ झा एवं कार्यालय मंत्री अजित चौधरी द्वारा झंडोत्तोलन करैत मनाओल जेबाक खबैर महासचिव राजेश झा करौलनि अछि।
दिल्ली मे कार्यरत मैथिल यूथ परिषद् केर सचिव मुरारी झा मैथिल सेहो जनतब दैत कहलैन अछि जे अन्य वर्षक समान अहु वर्ष गणतंत्र दिवस पर देशक झंडा फहराबैत संविधान आर राष्ट्रीयता प्रति सम्मान जाहेर करबाक महत्वपूर्ण कार्य कएल गेल अछि।
मिरानिसे महासचिव झा कहलैन अछि जे देशक संविधान मे मिथिला राज्यक स्थापना होयबाक काज बाकिये अछि, तथापि देशक स्वाभिमान आर राष्ट्रीयता प्रति हम मैथिल समाज सदैव अपन समर्पण बनेने रहल छी, बनेने रहब।