मधुबनी मे संपन्न भेल एक दिवसीय संस्कृत सम्मेलन

मधुबनी, जनवरी २५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

प्रमुख बातः
प्राथमिक कक्षा सँ पाठ्यक्रम मे संस्कृत हो अनिवार्य
 
माध्यमिक शिक्षक संघ मधुबनीक सभागार मे भेल एक दिवसीय संस्कृत सम्मेलन
 
मुख्य अतिथिक रुप मे संस्कृत भारती केर अखिल भारती महामंत्री श्रीश देव पूजारी
 
सारस्वतातिथि सुनेना देवी, प्रधानाध्यापिका शिव गंगा+2 विद्यालय, मधुबनी
 
अध्यक्षता शिक्षक संघ सचिव बेचन झा कएलनि
 
स्वागत अणु झा, धन्यवाद केशव चन्द्र झा कएलनि
 
मंच संचालन डॉ. रामसेवक झा कएलनि
 
sanskrit madhubaniमाध्यमिक शिक्षक संघ मधुबनी केर सभागार मे २४ जनवरी केँ एक दिवसीय संस्कृत सम्मेलन केँ सम्बोधित करैत महामंत्री श्रीश देव पूजारी बजला जे सब विद्याल मे प्रारम्भिक कक्षे सँ पाठ्यक्रम मे संस्कृत अनिवार्य रुप सँ पढ़ाओल जेबाक चाही। जतय एक दिशि महाविद्यालय मे शास्त्र सभ पढय पड़ैत अछि, ओतय संस्कृत भारती द्वारा मात्र २० घंटा मे संस्कृत बजबाक प्रशिक्षण देल जा रहल अछि।
 
प्रांतीय मंत्री डॉ. रमेश झा संस्कृत भाषा केर प्रचार-प्रसार हेतु युवा सभक अलावे सामाजिक लोक सब केँ सेहो आगू एबाक आह्वान कएलनि। अपन सम्बोधन मे प्रधानाध्यापिका सुनेना देवी कहली जे छात्र केँ मन मे जे संस्कृत कठिन भाषा हेबाक भ्रम बैसल अछि तेकरा संस्कृत शिक्षक सरल विधि व आयाम द्वारा बोधन करबैत छात्र केँ बुझाबैथ।
 
sanskrit madhubani1अध्यक्षता करैत बेचन झा कहलखिन जे यदि भारतक अखण्डता केँ अक्षुण्ण रखबाक अछि त संस्कृत भाषा केर अध्ययन अनिवार्य कराउ। महामंत्री मधुबनी जिला केँ संस्कृत जिला बनेबाक लेल आमजन सँ संस्कृत केर प्रचार प्रसार जोर-शोर सँ करबाक लेल सेहो आह्वान कएलनि। संगहि एहि कार्य केँ सम्पादित करबाक लेल डॉ.रामसेवक झा केँ नगर संयोजक व श्याम सुन्दर चौधरी केँ सह-संयोजक सेहो बनाओल गेल अछि। विभिन्न प्रखण्ड संयोजकक रुप में डॉ. योगानन्द झा, गिरीश कुमार मिश्र, डॉ. गोपाल झा, अरविन्द सिंह, कृष्ण कुमार झा केँ मनोनित कएल गेल अछि। कार्यक्रम केर संचालन डॉ. रामसेवक झा व धन्यवाद ज्ञापन डॉ.केशव चन्द्र झा द्वारा कएल गेल।