दरभंगा, जनवरी २५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय केर शिक्षा -शास्त्र विभाग मे सोम दिन दोसर वर्ग सत्र केर समापन समारोह केँ संबोधित करैत कुलपति प्रो. नीलिमा सिन्हा कहली जे राष्ट्र केँ समृद्ध करबाक लेल संस्कृत भाषाक अध्ययन जरूरी छैक। कार्यक्रम मे बतौर अध्यक्षता करैत कुलपति बजली जे लगातार विश्वविद्यालय मे भऽ रहल संस्कृत सम्भाषण शिविर केर प्रभाव सँ छात्र लोकनि आपस मे संस्कृत मे संवाद शुरू कय देलनि अछि।
मुख्य अतिथिक रूप मे संस्कृत भारतीक अखिल भारती महामंत्री श्रीशदेव पूजारी द्वारा संस्कृत छात्रक अलावे आसपासक विश्वविद्यालय और महाविद्यालयक आधुनिक छात्र एवं प्राध्यापक जाहि उत्साह सँ एहि प्रशिक्षण मे भाग लेबाक बात पर प्रसन्नता व्यक्त करैत कहलैन जे ई संस्कृत केर विकास लेल बहुत नीक डेग थीक। छात्र एवं प्राध्यापक सँ निवेदन करैत मुख्य अतिथि पूजारी सरल भाषा मे वाक्य निर्माण कय दैनंदिनी जीवन मे एकर प्रयोग करबाक आह्वान कएलनि।
धन्यवाद ज्ञापन करैत प्रशिक्षक डॉ रामसेवक झा प्रशिक्षु छात्र सबसँ आग्रह केलनि जे भाषा केर निरन्तरता बनाकय रखबाक लेल आपस में संस्कृत वार्तालाप पर जोर दी। कार्यकमक संचालन छात्र गिरीश कुमार, स्वागत छात्रा अरुंधति एवं मंगलाचरण गन्धर्व द्वारा कएल गेल। कार्यक्रम संयोजिका डॉ. रीता सिंह जानकारी दैत कहली जे ऐगला सम्भाषण कक्षा फरबरी १३ सँ पुनः शिक्षाशास्त्र विभाग मे प्रारम्भ होयत। ताहि लेल पंजीयन सेहो प्रारम्भ हेबाक जानकारी ओ देलनि।
