Search

खजौली प्रखंड मे सीएससी सेन्टर, आधार कार्ड मुफ्त मे बनत

323 भ्यूज

रवीन्द्र भारती, खजौली, मधुबनी। जनवरी २१, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

khajauli cscखजौली प्रखंड पुराना अंचल कार्यालय वाला मकान में CSC केन्द्र केर स्थापना कएल गेल अछि। एहि केन्द्र मे आधार कार्ड वगैर कोनो शुल्क लेने बनेबाक काज प्रारम्भ कय देल गेल अछि । संगहि मतदाता पहचान पत्र, प्लास्टिक रंगीन कार्ड मात्र ३० टका मे उपलब्ध कराओल जायत । एहि केन्द्रक उद्घाटन कार्यक्रम मे प्रखंड विकास पदाधिकारी सहित दर्जनों अन्य पदाधिकारी लोकनि मौजूद छलाह । ई जानकारी CSC आॅपरेटर पंकज कुमार देलनि आर कहलैन जे रवि दिन छोड़ि बाकी सब दिन ई काउंटर खुलत । एतय पहिल दीन सेहो काफी भीड़ छल ।

Related Articles