रवीन्द्र भारती, खजौली, मधुबनी। जनवरी २१, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
मधुबनी खजौली लगायत सब क्षेत्र मे BSNLनेटवर्क केर खराब रहला सँ BSNL उपभोक्ता सब परेशान अछि । एक दु दिनक बात नहि, समस्या १५.०१.२०१७ सँ नेटवर्क जे खराब भेल से एखन धरि नहि ठीक भऽ सकल अछि ।
खजौली बाजारक मुख्य साइबर व्यवसायिक रुपछाया स्टुडियो, फेस टु फेस स्टुडियो और अन्य उपभोक्ता कहैत अछि जे बहुतो बेर शिकायत केलों मुदा कियो सुनय वला नहि । ओ कहालनि जे BSNL पुर्ण नाम हम सब रखने छी ‘भाइ साहेब नहि लागता’ ।
संबन्धित अधिकारी सँ कारण पुछला पर पता चलल जे नरार सँ खजौली केर वायरिंग में गड़बड़ी अछि । मोबाइल सेवा कहिया धरि बहाल होयत से पुछला पर बतौलनि जे BTS खराब अछि, ओ बनिते अवस्था मे सुधार आयत । मूल बात पता चलल जे सरकारी सरकारिये होएत छैक, प्राइवेट रहला पर उपभोक्ताक शिकायत तत्परता सँ दूर कएल जाएछ । सरकारी व्यवस्था चाक-चौबन्द नहि रहि सकैत अछि, यैह मान्यता एखनहु धरि कायम अछि ।