रवीन्द्र भारती, खजौली, मधुबनी। जनवरी १९, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
काल्हि दिनांक १८ जनवरी केँ अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद् केर मधुबनी मे होमयवला आगामी जिला सम्मेलन केर विषयपर बैसार कैल गेल जाहि मे प्रदेश मे प्राथमिक सँ लैत उच्च शिक्षाक बदहाली, शिक्षकक घोर कमी, छात्र संघ चुनाव, महिला सुरक्षा, बेरोजगारी, भ्रष्टाचार, बांग्लादेशी घुसपैठ, बढ़ैत अपराध आदि मुद्दा पर सम्पूर्ण छात्र-छात्राक ऐतिहासिक जिला सम्मेलन दिनांक ६ फरवरी केँ करबाक निर्णय लेल गेल। जिला संयोजक गितेश झा एहि मे बेसी सँ बेसी छात्र-छात्रा केँ सहभागिता लेल आह्वान कएलनि अछि। बैसार मे बाबूबरही प्रमुख गोपाल झा, नगर मंत्री – बाबूबरही अशोक कुशवाहा आदि सेहो सहभागी छलाह।