Search

बेकाजक एटीएम सँ परेशान अछि खजौलीक जनता

रवीन्द्र भारती, खजौली, मधुबनी। जनवरी १९, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

khajauli sbi atmखजौली प्रखंड मे मुख्य रुपे दू टा बैंक अछि, एक स्टेट बैंक अफ इंडिया आर दोसर सेन्ट्रल बैंक अफ इंडिया, आर ग्राहक-जनताक नजरि मे ई दुनू अनियमितता सँ भरल रहबाक बात कहल जाएत अछि । एटीएम सेहो दू टा अछि दुनू शाखा केर, परंतु कहियो पाइ नहि निकलैत अछि । एहि दुनू एटीएम मे सब दिन अकाले पड़ल रहैत अछि से क्षेत्रक लोक सब दुःखी होएत शिकायत करैत अछि ।

विदित हो जे नोटबंदी मे एसबीआइ खजौली खूब चर्चा मे रहल छल । एक दिश लोक स्वच्छ भारत केर बात करैत अछि, स्वच्छ ग्राम केर, स्वछ लोक केर बात करैत अछि, ओत्तहि जखन प्रखंड अन्तर्गत अंचल कार्यालय सँ लैत हास्पिटल, बैंक, काॅलेज, जतेक सरकारी निकाय अछि ओतय स्वच्छताक नामोनिशान नहि होयब खजौली प्रशासनपर सवालिया निशान लगबैत अछि । एसबीआइ एटीएम मे गंदगीक हालत एहने अछि जे ई मनुक्खक जाइयो जोग नहि रहि गेल अछि, सदिखन दुर्गंध अबैत रहैत अछि । सफाई आर सुरक्षा लेल जिम्मेदार गार्ड बगलेक दबाइ दोकान पर जुमल गपबाज सभक बीच मे खैनी मलैत देखाएछ, दुर्दशाक कारण पूछला पर एटीएम बेकाजक रहबाक बात कहि पल्ला झाड़ि लैत छथि ।

एटीएम सँ ग्राहक केँ फायदा नहि भेटबाक मुद्दापर बैंक मैनेजर सँ सम्पर्क केला पर समय नहि रहबाक बात कहि ओहो पल्ला झाड़ि लेलनि । जनमानस द्वारा दुर्व्यवस्था केँ चुपचाप पचेनाय एहि तरहक खराब हालत केर सृजन केने अछि । एहि तरहक दुर्व्यवस्थाक आमजन द्वारा विरोध भेले पर कोनो समाधान निकलत एना प्रतीत भऽ रहल अछि । आब देखा चाही जे जनता केँ एहि कष्ट सँ कहिया निजात भेटत ।

Related Articles