पंचायतक निर्दोष लोक केँ बेवकूफ बनेलक जनप्रतिनिधि

रविन्द्र भारती, खजौली, मधुबनी। जनवरी १८, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

khajauli aamsabhaपैछला तिला संक्रांतिक दिन मधुबनी जिला अन्तर्गत कन्हौली ग्राम पंचायत राज केर मुखिया, सरपंच, सब वार्ड सदस्य, विकास मित्र, आवास सहायक, पंचायत सेवक आदि उपस्थित होएत आम ग्रामीण संग एक आमसभाक आयोजन कएने छलाह। एहि आमसभा मे मुख्य रुप सँ खूल्ला क्षेत्र केँ शौचालय मुक्त करयवला योजना ‘शौचालय मुक्त मेरा पंचायत हो’ विषयपर सब केँ जानकारी देल गेल। एहि मे सरकारक तरफ सँ भेटयवला अनुदान राशिक बारे ग्रामीण केँ सचेत कराओल गेल। एकर आवश्यक नियम तथा प्रक्रिया बारे मे ग्रामीण लोकनि केँ बुझायल गेल, एकर लाभ सँ आमजन केँ प्रेरित सेहो कएल गेल। तहिना प्रधानमंत्री आवास योजना मे चिन्हित परिवारक मुखियाक नाम पढिकय सुनबैत एकरो लेल आवश्यक नियम एवं शर्त पर विस्तार सँ चर्चा कएल गेल छल। राशन मार्फत उपलब्ध किरासन तेलक कूपन मे विद्यमान दिक्कत केँ जल्दिये दूर करबाक आश्वासन पंचायत सँ जुड़ल उपरोक्त जनप्रतिनिधि द्वारा आमसभा केँ देल गेल छल। अन्त मे उपस्थिति पुस्तिका मे सभक हस्ताक्षर सेहो लेल गेल छल।

विदित अछि जे पंचायत स्तर पर सरकारी सुविधा जाहि मे १. प्रधानमंत्री आवास योजना, २. राशन और किरासन तेलक कूपन, ३. लोहिया योजना सँ बनयवला शौचालय, ४. वृद्धा पेंशन – एहि सभक लाभ केर नामपर पैघ-पैघ धांधलीक समाचार सब भेटैत रहैत अछि। लेकिन उपरोक्त आमसभा द्वारा सब विन्दुपर खुल्ला चर्चा सँ लोक सब मे एकटा नव आशाक किरण देखायल छल। जनमानस केँ उपरोक्त सब योजनाक बारे मे जानकारी दैत हुनका सभक परेशानी-दिक्कत आदि केँ सेहो जनबाक कोशिस सँ एकटा विश्वास जमैत देखायल।

जनप्रतिनिधि द्वारा जनमानस संग धोखा

उपरोक्त जनसभा मे कन्हौली पंचायतक सब जनता केँ कहल गेल छल जे जिनका सब केँ राशन केर कूपन नै मिलल अछि से सब ब्लाॅक पर चलू, ओतय सब गोटा केँ भेटत। लेकिन काल्हि जखन गाम सँ जरुरतमंद लोक सब प्रखंड कार्यालयपर पहुँचल त ओतय नहिये मुस आ नहिये मुसक नगरी, मुखिया राम अशिष सिंह और अन्य सदस्य मे सँ कियो कतहु उपस्थित नहि रहथि। पता लगेला पर पता चलल जे  सब कियो मधुबनी गेल छैथ। जनता लेल उपेक्षा सिवा आर किछु नहि यैह एक बेर फेर प्रमाणित भेल। लोक सब अन्दाज लगा रहल अछि जे निश्चिते आमसभाक आयोजन कय केँ पंचायत समितिक सदस्य लोकनि कोनो न कोनो नव योजना पास करा ताहि नाम पर पाइ-कौड़ी लूटता। यैह खेला-वेला लगभग सब गाम-पंचायत मे चलैत अछि, ई घोर कलियुग थीक, जनता केँ सुविधाक नाम पर मात्र ब्रह्मलूट मचल अछि, अन्हेर नगरी चौपट राजा – इत्यादि प्रतिक्रिया आम जन सँ सुनय लेल भेटैत अछि। आब देखा चाही जे यथार्थतः ई मुद्दा कतय जा कय रूकत!