मुरारी कुमार मयंक, सहरसा। जनवरी ९, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
कविश्वर चंदा झा स्मृति पर्व समारोह सहरसा जिला स्थित बड़गाँव गाम में आगामी २१ जनवरी केँ कविवर चंदा झा विचार मंच बड़गाँव द्वारा काफी धुमधाम सँ मनाओल जायत।
आयोजक संस्थाक राजेश रंजन झा बतौलनि जे मिथिला भाषाक महान कवि तथा मिथिला रामायण केर रचयिता कविश्वर चंदा झाक जन्म २१ तारीख जनवरी केँ एहि सुन्दर बड़गाँव में भेल छलन्हि आर एहि अवसर पर हरेक वर्ष हुनकर स्मृति समारोह मनाओल जाएत अछि । विदित हो जे कविश्वर बड़गाँव केँ विद्वान् सभक गाम आर शिक्षाक केंद्र केर रूप मे प्रसिद्धि प्रदान कएने छलाह । एहिठामक युवा शक्ति केँ कर्मठ आर अध्यन में रूचि रखनिहार सेहो कहने छलाह । तैँ वर्तमान पीढी हम युवा सब मिलकय कविश्वर केर जन्मोत्सव खूब धूमधाम सँ मनेबाक लेल जोरशोर सँ तैयारी में जुटल छी।
श्री झा कार्यक्रमक रूपरेखा पर प्रकाश दैत कहलनि जे मिथिलाक विभिन्न क्षेत्र सँ विद्वतजन, कवि, चिंतक तथा मैथिली संगीतज्ञ सब केँ आमंत्रित कैल गेल अछि । कार्यक्रम २१ जनवरीक प्रातःकाल सँ शुरू होयत आर साँझ धरि चलत । आयोजनक तैयारी मे व्यस्त दोसर युवा मुकेश मानस कहलैन जे आजुक समय में मैथिली गीत आर लोकगीत केँ सुननिहारक संख्या दिनानुदिन घटल जा रहल अछि, लोकपलायनक चपेट मे पड़ि मिथिला निजता – उत्कर्ष – सांस्कृतिक परंपरा व अन्य मूल्य-मान्यता सब किछु प्रभावित भऽ रहल अछि। एहि सन्दर्भ में मिथिलाक लोकगीत आ नृत्य केँ आगामी कार्यक्रम में समायोजन कैल गेल अछि । वर्तमान पीढी केँ एकर मिठास सँ अवगत करायब आवश्यक बुझि कार्यक्रमक परिकल्पना हम सब तैयार केने छी।
आयोजक लोकनि एहि समादक माध्यम सँ तमाम मैथिल जनमानस सँ अनुरोध करैत कार्यक्रम में सहभागिता लेल सेहो आमंत्रित कएलनि अछि । कार्यक्रम केँ सफल बनेबाक लेल कविश्वर चंदा झा विचार मंच केर श्री चंद्रशेखर झा, अभाविप केर विभाग संयोजक मुरारी मयंक, प्रभात रंजन, अविनाश खाँ बौआ, मन्नु कुमार, भीमशंकर झा, मुकेश सिंह सहित समस्त ग्रामीण तन-मन-धन सँ जुटल छथि ।

2 Comments
MITHILA,MAITHIL,MAITHILI K SASAKT STAMBH.MITHILAKSHAR K PRACHAR,PRASAR K YOJANA EWAM KARYANNWAN K DISHA ME SARTHAK PRAYAS K APEKSHA ACHHI.
Dhanyabad.