घनश्याम झा, राघोपुर, दरभंगा। जनवरी ९, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
राघोपुर पुस्तकालय चौक सँ पैठान कबई जायवला सड़कक शिलान्यास भेलाक उपरान्तो निर्माणक काज सुरू नञ भेला सँ आक्रोशित लोक सकरी धरौरा मुख्य पथ केर राघोपुर पैठान कबई सडक निर्माण संघर्ष मोर्चाक बैनरक निचाँ घंटो धरि जाम राइख क आक्रोश व्यक्त कएलक अछि ।
विदित हो जे एहि सड़कक स्वीकृति २००८ मे भेल रहय, मुदा तेकर बाद कतेको बेर एकर निविदा भेल आ रद्द होएत जेबाक समाचार आम गाम-समाज केँ विभिन्न स्रोत सँ भेटैत रहल । बितल वर्ष ११ सितंबर केँ दरभंगाक सांसद आ दरभंगा ग्रामीण केर विधायक द्वय द्वारा एकर शिलान्यास सेहो भेल, बावजूद तेकर एक बेर फेर सँ एकर निविदा रद्द भ गेल ।
आंदोलनकारी सभ अंचलाधिकारी केर मार्फत राज्यपाल आर डीएम केर नाम सँ ज्ञापन सौंपलाक बाद जाम हँटेलक । एहि आंदोलन मे घनश्याम झा , राधा वल्लभ झा, सुनिल झा, अंजनी कुमार झा, निलाम्बर मंडल, मोहम्मद शाहिद अली, सोनू, आफताब, अरसी समेत हजारो हजारक संख्या मे ग्रामीण मौजूद छल ।