मैथिली मे विद्यालय स्तरीय वक्तृत्वकला प्रतियोगिताक आयोजन

लहान, दिसम्बर २९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

msu-debateमिथिला स्टुडेन्ट यूनियन नेपाल द्वारा लहान मे विद्यालय स्तरीय वक्तृत्वकला प्रतियोगिताक आयोजन

‘एक डेग मिथिला विकासक लेल’ एहि नाराक संग नेपालक मिथिलाक्षेत्र मे कार्यरत छात्र संगठन ‘मिथिला स्टूडेण्ट यूनियन, नेपाल’ द्वारा २०७३ पुष १३ गते बुध दिन विद्यालय स्तरीय मैथिली भाषा मे वक्तृत्वकला कार्यक्रमक आयोजन कैल गेल अछि।  

लहान स्थित बेबी एन्जेल सेकेण्डरी स्कूल मे यूनियनक अध्यक्ष हृदय नारायण यादवक सभापतित्व आर मदर ल्याण्ड स्कूल लहानक प्राध्यानाध्यापक श्री राकेश झा, समग्र एफ.एम., लहानक कार्यक्रम सञ्चालिका रञ्जू दास केर विशिष्ट आतिथ्यमे, विद्यालयक प्राध्यानाध्यापक श्री श्याम सुन्दर साह एवं विद्यालयक सम्पूर्ण शिक्षक लोकनिक संग करीब पाँच सौ छात्र-छात्रा केर सहभागिता मे ई प्रतियोगिता सम्पन्न भेल अछि।

msu-debate1एहि वक्तृत्वकला प्रतियोगिता मे विद्यालयक २० टा छात्र-छात्रा प्रतियोगी छल। वक्तव्य देबाक विषय छल “मैथिली, मिथिला आ मैथिल पृष्ठभूमि’ अर्थात् मातृभाषा मैथिली आ क्षेत्रीयता मिथिलाक संग मैथिल केर विशिष्ट पहिचान केर वर्तमान स्थिति आ प्रगतिक उपाय। प्रत्येक वक्ता केँ वक्तव्य रखबाक लेल पाँच मिनट समय देल गेल छल। वक्ता लोकनिक समग्र विचार सँ मैथिली भाषा, संचार, सांस्कृतिक पुनर्उत्थान आ बाजय-लिखय मे लाजक स्थिति सँ ऊबार पेबाक लेल समस्त मैथिलीभाषी केँ अपना-अपना स्थान सँ प्रगतिक दिशा मे लागिकय काज करब जरुरी अछि। मैथिली, मिथिला आ मैथिल पृष्ठभूमि ऊपर वक्तव्य दैत वक्ता लोकनि कहलथि जे ‘हमरा सभक भाषा, संस्कार, संस्कृति समृद्ध होइतो अनकर भाषा आ संस्कृति ऊपर गौरव कय रहल छी – एहेन खतरनाक अवस्था निज अस्मिता सँ दूर होयबाक कारण बनल अछि।”

वक्ता लोकनिक ईहो कहब छलनि जे हमरा सभक स्कूल मे मैथिली भाषा मे पठन-पाठन लागू कैल जाय, मैथिली पाठ्य-पुस्तक उपलब्ध कराओल जाय, जाहि सँ छात्र सब केँ मिथिला-मैथिलीक ऊपर गहन अध्ययन सँ आरो जानकारी उपलब्ध होयत, अपन भाषा आ संस्कार सँ सेहो परिचिति भेटत। आर तखनहि अपन भाषा-संस्कृति पर आत्मगौरवक अवस्था बनत। निजताक गहन अध्ययन सँ दूर भेलाक कारण बाध्यतावश दोसराक भाषा मे सम्मान तकबाक खरबा बीमारी सँ अवस्था बदतर भेल अछि।

प्रतियोगिताक निर्णायक मण्डलमे क्रमशः अमरनाथ यादव (मिथिला स्टूडेण्ट यूनियन, नेपालक सदस्य), धर्मनाथ साह (विद्यालय शिक्षक), भिन्नता शरण (अतिथि) रहैथ। प्रतियोगी सभ मे प्रथम कुसेश्वर यादव, द्वितीय चाँदनी बेगम, तृतीय नीरज यादव भेलाह ।

कार्यक्रमक उद्घोषण एवम् सञ्चालन संस्थाक सचिव गजेन्द्र गजूर आर कोषाध्यक्ष गायत्री सिंह द्वारा संयुक्त रूप सँ कैल गेल छल। कार्यक्रम सफल बनेबा मे पूर्व अध्यक्ष दिनेश रसियाक सेहो अहम भूमिका रहल। कार्यक्रमक बीच-बीच मे संस्थाक उपाध्यक्ष समेत रहल लोकप्रिय गायक तेजू मैथिल, गायिका ज्योति बि.क., गायक जावेद अलीद्वारा सुमधुर मैथिली गीत-संगीत सब सेहो परसल गेल। समापन सँ पूर्व अतिथि लोकनि एहि आयोजन सँ मैथिली भाषा आ मिथिला संस्कृति केँ वर्तमान पीढी मे लोकप्रियता बढेबाक काज भेल कहल गेल।