हैदराबाद, दिसम्बर २६, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिला सांस्कृतिक परिषद, हैदराबादक वार्षिकोत्सव रूप मे ‘विद्यापति पर्व समारोह’ काल्हि २५ दिसम्बर रवि दिन आर. टी. सी. कलाभवन मे मनाओल जेबाक समाचार अछि ।
एहि अवसर पर मैथिली प्रश्नमंचक आयोजनक संगहि मैथिली साहित्यकार श्री राम चैतन्य धीरज केँ एहि वर्षक “तिरहुत साहित्य सम्मान ” प्रदान कएल गेलनि – ई जनतब अध्यक्ष आलोक कुमार झा अपन फेसबुक स्टेटस मार्फत करौलनि अछि ।
संगहि सम्मानित स्रष्टा राम चैतन्य धीरज केर पुत्र प्रांजल सेहो हिन्दी मे अपन स्टेटस मार्फत सोसल मीडिया पर एहि गरिमामयी क्षणक फोटो सब पोस्ट केने छथि । ओ अपन घर (मिथिला) सँ २००० किमी दूर मे जखन अपन लोक मैथिली बजैत भेटैत अछि तऽ एकटा अलगे अनुभूति भेटबाक बात सेहो अपन अभिव्यक्ति मार्फत रखैत ४ गोट कवि मनोज शांडिल्य, शारदा झा, विनय झा व विकास वत्सनाभ केर कविता पाठक चर्चा कएलनि अछि। प्रसिद्ध कवि पिता धीरज केर गायन बहुत दिनक बाद सुनलहुँ आर हमरो ई मौका विनय जी देलनि जे स्थापित कवि सभक संग अपन कविता पाठ दोसर दिनक काव्य गोष्ठी मे कएलहुँ – प्रांजल कहने छथि।
विदित अछि जे एहि कार्यक्रम मे रश्मि प्रिया झा केर आवाज मे सुमधुर गीत-संगीत आ संगहि विद्यापति गीत व अन्य पर नृत्यक प्रस्तुति सब सेहो भेल छल जेकर सराहना दर्शक श्रोता द्वारा खूब कैल गेल। सुप्रसिद्ध गीतकार डा. चन्द्रमणि एहि कार्यक्रम मे विशिष्ट अतिथिक तौरपर भाग लेलनि जखन कि सम्मानित स्रष्टा राम चैतन्य धीरज मुख्य अतिथिक रूप मे छलाह। कार्यक्रमक समापन उपरान्त अतिथि सब संग परिचय तथा सहभोज सेहो राखल गेल छल।

1 Comment
I am from Hyderabad want to join Mithila parishad. Plz let me know the p