मिथिला सांस्कृतिक परिषद् विशाखापटनम द्वारा मैथिली सम्मेलन

विशाखापटनम, दिसम्बर २५, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

mithila-sanskritik-parishad-vishakhapatanamआइ दिनांक २५ दिसम्बर, मिथिला साँस्कृतिक परिषद् विशाखापत्तनम् केर तत्वावधान में मैथिली सम्मेलन केर आयोजन कएल गेल जाहि में शहर केर विभिन्न क्षेत्र सं करीब १५०० मैथिलगण भाग लेलनि ।

स्थानीय विधायक श्री पल्ला श्रीनिवास द्वारा दीप प्रज्वलन एवं महाकवि विद्यापति केँ श्रद्धा-पुष्प अर्पित केलाक बाद मिथिलाक प्रसिद्ध भगवती वंदना जय जय भैरविक गायन संग कार्यक्रमक शुभारंभ भेल ।

परिषद्क महासचिव काली कान्त झा द्वारा स्वागत भाषणक उपरान्त अध्यक्ष बैकुन्ठ झा परिषद केर उद्देश्य आ गतिविधिक बारे में उपस्थित समुदाय केँ विस्तृत जानकारी देलन्हि । मुख्य अतिथि पी. श्रीनिवास कार्यक्रम केर बहुत प्रशंसा केलन्हि आ भविष्य मे हर संभव सहायता करबाक आश्वासन देलन्हि ।

साँस्कृतिक कार्यक्रम केर आयोजन परिषदक साँस्कृतिक सचिव गिरिजा नन्द मिश्र व कल्याणी मिश्राक निर्देशन मे बहुत प्रसंशनीय रहल एवं जुही मंच संचालनक कार्य बखुबी निभौलनि । मैथिलक स्वादानुसार सामूहिक प्रीतभोज केर आनन्द सेहो अपूर्व छल । परिषदक संस्थापक व संरक्षक वाई. के. चौधरी संस्थाक वर्तमान परिस्थितिक बहुत सराहना केलन्हि आर संतोष प्रकट केलनि ।

उपाध्यक्ष प्रफूल्ल नारायण चौधरी, कोषाध्यक्ष राजदेव मंडल, संयुक्त सचिव अरुण झा, भूषण सिंह, वरिष्ठ सदस्य अशोक मिश्रा, मनोज झा, पी के मिश्र द्वारा अतिथिगण कें मिथिलाक पारंपरिक व प्रतीक वस्त्र पाग- दोपटा सँ सम्मानित कएल गेल ।

एहि अवसर पर परिषदक पवन झा, अनिल झा, प्रकाश मंडल, मोहन झा, राजेश मंडल, जितेन्द्र मिश्र एवं सब सक्रिय सदस्यगण सेहो उपस्थित छलाह ।