दरभंगा, २४ नवम्बर, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा त्रि-स्तरीय पंचायत जनप्रतिनिधि सब सँ मिथिला राज्य निर्माण केर समर्थन मे ज्ञापन पत्र राष्ट्रपति, प्रधानमंत्री व मुख्यमंत्री केँ पठेबाक आह्वान कैल गेल अछि।
काल्हि दरभंगा मे अध्यक्ष डा. रंगनाथ ठाकुर केर आदेशपर बजाओल गेल एक विशेष बैसार मे ई निर्णय लेल गेल जे आइ २४ नवम्बर सँ चरणबद्ध ढंग सँ प्रत्येक जिलाक जिला पार्षद – अध्यक्ष, उपाध्यक्ष एवम् सदस्य सब सँ भेंट करैत मिथिला राज्यक औचित्य व आवश्यकता पर प्रकाश दैत अनुरोध पत्र देल जायत। आर हुनका सब सँ ई निवेदन कैल जायत जे ओहो सब मिथिला राज्य केर मांग करैत ज्ञापन पत्र देशक महामहिम राष्ट्रपति, प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी व बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार धरि पठबैथ।
मिरानिसे केर धारणा स्पष्ट करैत महासचिव सह प्रवक्ता राजेश झा कहलनि अछि जे सही सरकार त स्थानीय जनप्रतिनिधिक होएत छैक जे जनहित सँ जुड़ल योजना आदि पर विचार करैत राज्य ओ केन्द्र सँ जनकल्याणक योजना सब मांग करैत अछि। विगत वर्ष मे बिहारक उपेक्षा सब केँ स्पष्ट अछि आर मिथिला राज्यक आवश्यकता केँ कियो नकारि नहि सकैत अछि। एहेन अवस्था मे जिला पार्षद सदस्य द्वारा ज्ञापन पत्र पठेला सँ राज्य आ केन्द्र केर ध्यान मिथिला पर जरुर आयत। पहिल चरण मे दरभंगा सहित ५ जिलाक प्रतिनिधि सब सँ भेंट करैत ई ज्ञापन पत्र पठायल जेबाक जानकारी सेहो ओ करौलनि अछि।

1 Comment
जय जानकी