Search

डा. भूपेन्द्र देव सम्मान भेटलनि डा. तारानन्द वियोगी केँ

सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। २२ नवम्बर, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

bihra-viyogi-ji-sammanसहरसा जिलाक बिहरा गाम मे डा. भूपेन्द्र देव कोसी सम्मान एहि बेर दोसर वर्ष समारोहपूर्वक मैथिली कथाकार – कवि – समालोचक डा. तारानन्द वियोगी केँ देल गेल अछि। अंग्रेजी सहित मैथिली, हिन्दी केर विद्वान् डा. भूपेन्द्र देव केर २६म बर्खी पर ई सम्मान समारोहक संग आयोजित कैल गेल छल। सम्मान मे ११ हजार टाका नगद, प्रशस्ति पत्र व दोपटा सँ डा. वियोगी केँ सम्मानित कएल गेल छल।

bihraई समारोह बिहरा गामक विद्यालय पर आयोजित छल। एकर उद्घाटन वयोवृद्ध साहित्यसेवी आचार्य योगेश्वर द्वारा कैल गेल छल। डा. वियोगी केर व्यक्तित्व आ कृतित्व पर वक्तव्य देबाक लेल विशिष्ट अतिथि व कविक रूप मे किसलय कृष्ण सहभागिता देलनि। तहिना अतिथिक रूप मे गौतम सिंह, मुक्तेश्वर मुकेश, रघुनाथ मुखिया, प्रवीण नारायण चौधरी, कैलाश किंकर, अजय सिंह, सुभाषचन्द्र झा, आनन्द झा आदि उपस्थित छलाह। हिनका लोकनि द्वारा हिन्दी तथा मैथिली कविताक पाठ कैल गेल छल।

डा. वियोगी केर नव गजल संग्रह अप्पन युद्धक साक्ष्य केर दोसर संस्करणक लोकार्पण आ कवि सम्मेलन सफलतम रहल। एकर संयोजन स्व. डा. भूपेन्द्र देव केर कवि-साहित्यकार पुत्र शेखर सावन्त केलनि।

Related Articles