रैमा-कोठिया, झंझारपुर। नवम्बर १२, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
हालहि भारत-पाकिस्तान सीमापर गोलीबारी मे शहादति देनिहार शहीद विकास मिश्राक मृत शरीर हुनक मातृभूमि रैमा आनल गेल – मधुबनी जिलाक जिलाधीशक हाथ सँ ११ लाख रुपया प्रदान करबाक संग-संग शहीद मिश्र केर नाम सँ उच्च विद्यालय तथा सड़क निर्माणक आश्वासन दैत अन्तिम क्रिया लेल परिवार केँ शरीर सौंपल गेल।
शोकाकूल परिवारक संग समूचा गाम आ हजारोंक संख्या मे आस-पड़ोस सँ जुटल लोक सब शहीद विकास मिश्र केँ भीजल आँखि श्रद्धाञ्जलि देलक। युवा सपुत सब विकास केर जोश आ सेना मे किछु कय केँ देखेबाक विभिन्न स्मृति शेष केँ एक दोसर सँ बाँटैत देखायल। विभिन्न गाम आ शहर सँ उपस्थित हजारोंक भीड़ मे एक्केटा नारा गुंजैत रहल – शहीद विकास मिश्र – अमर रहे! अमर रहे! अमर रहे!!
एक मित्र आशु झा लिखैत छथि, “कतअ चैल गेलौंव हमरा सब के छोईर क सच्चे कहने छेलौंव हम जतअ रहैत छी आंहा सब नै पहुंच सकैत छी | आई बहुत याद आबैया कचरी आलु चाप आ रसगुल्ला स्कूलक छत पुरका दुर्गा पुजा के सप्तमी के रैत मुका आंहा हम मिहिर रिकेश ओ रैत के एक बजे पुबाई टोल बाली मैंईया के ओतेक रैत में गिलास लोटा लेनाई हुनका जगाके….. ओ चन्द आर्ट के सिंघारा मिथिलेश क दुकानक सब दिनक रसगुल्ला ओ पहिने घुमल समिया राजे सरिसव पाही के लाईन होटल ओ झंझारपुर के विना होटल के मांस भात | ओ 2014 में अपन सब के सबदिन रत्न साईर पर क्रिकेट खेलनाई ओ सेकटोली स मुर्गा अननाई | मिस यु दोस्त क्!
मित्र लोकनि द्वारा शेयर कैल विकास मिश्र केर जीवन व शहादत उपरान्तक विभिन्न फोटोः