सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। नवम्बर ३, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
विद्यापतिधाम – लछमिनियां – सहरसाक सत्तरकटैया प्रखंडक ओ प्रसिद्ध आ दिव्य स्थान जेकर चर्चा मैथिली-मिथिलाक हरेक मंच पर कैल जाएछ – आब ओकर तेसर वर्षगांठ मनेबाक समय लगिच आबि गेल अछि।
संस्थापक भोगेन्द्र शर्मा बतौलनि जे नवम्बर १९ आ २० तारीख केँ पूर्ववत् प्रारूप मुताबिक धामक तेसर स्थापना दिवस पर कवि गोष्ठी व सांस्कृतिक कार्यक्रम केर आयोजन होयत । एहि धामक बढ़ैत महत्व केँ देखैत राज्य सरकार सेहो पर्यटन सूची में जोड़लक अछि संगहि विधायक अब्दुल गफूर विवाह भवन बनेबाल लेल दू लाख रुपयाक कोष प्रदान करबाक मंजूरी देलन्हि ।
विद्यापति धाम पर आइ मिथिला राज्य निर्माण सेनाक आगामी दरभंगा अधिवेशन में भूमिदाता देवनाथ यादव, संस्थापक भोगेन्द्र शर्मा सहित बेचन पासवान, उमेश ठाकुर, भाई अशोक यादव, विलास भगत, पप्पू यादव, अाशो यादव, अजित सहित कुल पन्द्रह गोटे भाग लेबाक निर्णय लेलनि अछि ।
मिथिला राज्य निर्माण सेनाक सहरसा जिलाध्यक्ष पर्यन्त रहल भोगेन्द्र शर्मा निर्मल अपन मातृभाषा मैथिली मे प्राथमिक शिक्षाक गारंटी भेला सँ साक्षरताक दर शत-प्रतिशत होयबाक विश्वास राखि शीघ्रहि एहि मुद्दा पर सहरसा मे शिक्षा कार्यालयक घेराव करबाक घोषणा सेहो केलनि अछि। सरकारी विज्ञापन आ बोर्ड केर लेखाइ आदि मे अगबे हिन्दी व अन्य भाषा पर सरकारक कोष खर्च कैल जाएछ, परन्तु अपन भाषा लेल सरकार कोनो ध्यान नहि दैत अछि ताहि पर ओ गंभीर असन्तोष सेहो प्रकट केलैन। ओ कहलैन जे बिना अलग राज्य भेने आ मिथिलाक अपन सरकार बनने बिहार मे ई सब जरुरी काज संभव होएत नहि देखा रहल अछि। अतः मिथिला राज्य निर्माण सेनाक आगामी अधिवेशन मे हमरा लोकनि एहि तरहक संघर्ष केँ आरो बढेबाक लेल विचार करब।