बेनीपुर, दरभंगा। नवम्बर ३, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
आगामी ८ नवम्बर दरभंगा मे मिरानिसेक राष्ट्रीय अधिवेशनक तैयारीक समीक्षा एवम् ९ तारीख केँ संस्कृत विश्वविद्यालयक खेल मैदान मे प्रस्तावित विशाल जनसभा मे जनसहभागिता हेतु व्यापक विमर्श एवं तैयारी पर चर्चा सेनाक राष्ट्रीय एवं प्रदेश अध्यक्ष सहित अन्य पदाधिकारी लोकनिक उपस्थिति मे बेनीपुर केर कोसी आइबी मे संपन्न भेल अछि।
राष्ट्रीय महासचिव राजेश झा जानकारी दैत कहलैन अछि जे आजुक बैसार राम पदारथ ठाकुर केर संयोजन मे आयोजित छल, जाहि मे अधिवेशन सह-संयोजक अनिल झा जनसहभागिताक तैयारी पर प्रकाश देलनि। संगहि उपस्थित समस्त मिथिला राज्य समर्थक एवं अभियानी लोकनि सँ जनसहभागिताक गारंटी करबापर जोर देल गेल।
बिहार राज्य मे मिथिलाक उपेक्षा आब आरो वर्दाश्त नहि कैल जायत आर राज्यक संग-संग केन्द्रक सरकार जे कान मे ठेपी दय सूतल अछि, मिथिलाक जनमानसक अधिकार प्रति कोनो तरहक घोषणा नहि करैत अछि, जेहो समृद्धि – उद्योग-रोजगार आदि छल सेहो सब बन्द कय केँ एहि ठामक लोक केँ मजदूरी करय आन-आन प्रदेश मे जाय लेल बाध्य करैत अछि तेकर दुष्परिणाम सँ मिथिला अपन ऐतिहासिकता, पौराणिकता, विशिष्टता त नोकसान कइले लेलक, आब बचलो-खुचल जे मान-प्रतिष्ठा अछि ओ बिना राज्य अलग केने नहि बाँचि सकत। अतः दरभंगा मे प्रस्तावित विशाल जनसभा सँ पृथक् मिथिला राज्य केर आवश्यकता पर जन-जन केँ बताओल जायत – संगहि अन्तिम युद्धघोष कैल जायत। अपन विचार दैत प्रदेश अध्यक्ष एवं कार्यक्रम संयोजक डा. रंगनाथ ठाकुर कहलैन।
सह-संयोजक अनिल झा अपन विचार रखैत कहलैन जे मिथिला राज्यक महत्व जन-गण-मन केँ बुझायब बहुत आवश्यक छैक। वर्तमान समय जेना समाज केँ जाति-पाति आ धर्म मे तोडि अगबे वोट लूटिकय पटना आ दिल्ली मे लोक गद्दीपर बैसैत अछि, आ फेर अपन लोक, अपन मुद्दा आ अपन विकास केर बात ओकरा पाँच वर्ष मे कहियो न याद अबैत छैक आ जँ अबितो छैक तऽ ओकरा ओतय सुननिहार गैर-मिथिला नेता कियो रहितो नहि छैक… ताहि हेतु मिथिलाक सब राजनीतिक दल आ राजनेता केँ चाही जे आबो बुझय आ अपन स्वराज्यक स्थापना भारतीय गणतंत्र मे करय। एहि सँ सब केँ कल्याण हेतैक। मिथिलाक संग-संग भोजपुर आ मगध सभक हित एहि मे छैक। बिहार राज्य जाहि परिकल्पना संग बनल छल तेकरा हम सब १०० वर्षक राजनीतिक अराजकता मे बर्बाद कय चुकल छी आर आब समाधान मात्र पृथक् मिथिला राज्य टा अछि।
आजुक बैसारक संयोजक गुंजन मैथिल कहलनि जे मिथिला राज्यक निर्माण मिथिलावासीक प्रतिष्ठाक विषय थीक। एहि लेल ‘ले जान कि दे जान’ केर बेर आबि चुकल अछि। कोनो राजनीतिक दल हो, केकरो कार्यकर्ता हो – लेकिन अपन राज्य केर समर्थन मे जँ सहयोग बढिकय नहि करैत अछि त ओकर सामाजिक बहिष्कार हेबाक चाही। दरभंगाक उद्घोषणा केन्द्र आ प्रदेश लेल अन्तिम चेतावनी थीक। शान्तिपूर्ण ढंग सँ मिथिलावासीक मांग नहि सुनल जायत तऽ आब किछु भऽ सकैत अछि। सलाई केर आगि जेना बिना रगड़ने नहि भेटैछ, मिथिला राज्य सेहो बिना झगड़ने नहि भेटत। एतुका लोक-समाज विपन्नताक पराकाष्ठा पर जीबय लेल बाध्य अछि।
सभा मे सहभागी वरिष्ठ मैथिली-मिथिला अभियानी एवं मिथिला राज्यक कट्टर समर्थक बैद्यनाथ यादव समाजक हर वर्गक लोक केर सहभागिता सुनिश्चित करबाक लेल सघन जनसम्पर्कक आवश्यकता पर जोर दैत अपन संपूर्ण शक्ति सँ जनसभा केँ सफल करबाक प्रतिबद्धता प्रकट कएलनि।
आजुक सभा मे राष्ट्रीय अध्यक्ष श्याम सुन्दर झा कहलैन जे आब आन विन्दु पर सोचबाक बेर नहि रहि गेल, मात्र जनसहभागिता लेल सब कियो जी-जान एक करैत काज करब तेकरा लेल प्रतिबद्ध छी।
अन्त मे ई नियार कैल गेल अछि जे अलीनगर एवं बेनीपुर प्रखंड केर समस्त पंचायत सँ जनसहभागिता लेल एक विशेष कार्यसमिति काज करत। संगहि आजुक बैसार मे ईहो निर्णय लेल गेल अछि सर्वदलीय राजनीतिक कार्यकर्ता एवं नेताक एक विशेष समिति बनाकय एहि संघर्ष केँ आगाँ बढाओल जायत।
बैसार मे जटाशंकर राय, कमलेश मंडल, नुन्नू ठाकुर, संजय मंडल, अवधेश झा, आलोक कुमार टिंकू, मनीष मैथिल, प्रखंड प्रमुख मनोज मिश्र आदि सेहो अपन-अपन सारगर्वित विचारक संग जनसहभागिता लेल समर्पित भऽ योगदान देबाक प्रतिबद्धता प्रकट कएलनि।
मैथिली जिन्दाबाद सँ बात करैत महासचिव राजेश झा कहलैन जे तैयारि युद्धस्तर पर जारी अछि। ले जान कि दे जान वला स्थिति अछि। आर आब मिथिला राज्य निर्माण बिना चैनो नहि अछि। एहि न्युज पोर्टल केर पाठक सब सँ अपील करैत सब सँ दरभंगाक अधिवेशन एवम् ९ नवम्बर केर जनसभा मे अधिक सँ अधिक संख्या मे आबि भाग लेबाक आमंत्रण सेहो कएलनि अछि।