सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। अक्टूबर ३०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
केन्द्र सरकार बनायत सहरसा में ओवरब्रिज
सहरसा बंगाली रेलवे ओवरब्रिज केर निर्माण हेतु बिहार सरकार द्वारा डीपीआर बनयबा मे उदासीनता के कारण केन्द्र सरकार सीधे ओवरब्रिज के निर्माण कराओत । एहि बातक जानकारी सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव दैत कहलनि जे परिवहन मंत्री स भेट कयलाक बाद हुनका सहरसा में ओवरब्रिज जल्द निर्माण कार्य शुरु करबाक सहमति भेल ओ बिहार में तीनटा एनएच के स्वीकृति सेहो देलनि जकर उदघाटन नवम्बर में होयत ।
श्री यादव कहलनि जे आलमनगर स पतरधट, सोनवरसा बैजनाथपुर स सरहोचिया तक, दरभंगा स नवहट्टा सिंहेशवर स्थान तक नव एनएच केर निर्माण होयत । एकरा वास्ते कोसी नदी में पुल सेहो बनायल जायत । सांसद कहलनि जे भारत सरकार के बारम्बार आग्रह कयलाक बाबजूद बिहार सरकार ओवरब्रिज केर डीपीआर नहि बना कय देलक तहन केन्द्र सरकार अपन डीपीआर बना सीधे ओवरब्रिज निर्माण करैबाक निर्णय भेल ताहि हेतु एनएचआई के टीम राजेश मार्थो के नेतृत्व मे कारवाई शुरूआत कयल गेल । सांसद कहलनि जे बहुत जल्द मिथिला में एनएच केर निर्माण होयत ।

1 Comment
मैथिल क्षेत्र खास क कोशी कमिशनरी हमेशा उपेक्षा के शिकार रहल छल। जनप्रतिनिधि सब खाली वोटक समय मे आबि क बरका लंबा चोरा भाषण द के बिसैर जाय छै। फेर पाँच साल बाद ही नजर एता। दोष ओकर सब के नय जनता के अछि जे जाति पॉति के नाम पर वोट करैत अछि। जनप्रतिनिधि त जनता के आइना होय छै। जेहन जनता के चरित्र ओहने जनप्रतिनिधि। सहरसा कै बंगाली बाजार रोड सबसे व्यस्त सरक छै। सकरा होय के कारण हमेशा जाम लागल रहय छै। रेलवे स्टेशन ओही सरक में होय के कारण समस्या आर गंभीर भ जाय छै। इ सरक पर flyover के मॉग दू दशक सँ भ रहल छै ,मुदा ओय पर राजनीति के अलावा किछ नय भ रहल छै। परेशान त जनता होय छै,