विन्देश्वर ठाकुर, दोहा। अक्टूबर २९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
“मातृभाषाक जगेर्णा हमरा सबहक प्रेरणा” मूल नाराक संग विगत १५ मास सँ निरन्तर रुपमे आयोजना होएत आबि रहल मैथिली काव्य-सन्ध्या अन्तर्गतक कार्यक्रम साँझक चौपाड़ि पर केर पन्द्रहम मासक बैसार काल्हि संध्याकार कतारदेशक राजधानी दोहाक मुन्ताजा पार्क मे सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल ।
पूर्वक कार्यक्रम जेकाँ अहु बेर विभिन्न रस तथा भावक कविता, कता आ गजल सब वाचन कएल गेल । कार्यक्रममे प्रत्यक्ष रुपे कवि बेचन महतो, अब्दूर रज्जाक, विन्देश्वर ठाकुर, अशोक कुमार सहनी आ शत्रुघन मुखिया अपन-अपन रचना सुनौलनि । कार्यव्यस्ताक कारणे कहियो-काल मात्र उपस्थिति देनिहार मुखिया जीक रचना सुनि सबगोटेक मोन गदगद भऽ गेल।
विदिते अछि जे साँझक चौपाड़ि कार्यक्रम मे आनलाइन पोस्ट कैल गेल रचना सब सेहो प्रस्तुत कैल जाएत अछि। एहि बेर मलेशिया सँ प्रयास प्रेमी मैथिल, नेपाल सँ कवि सोगारथ यादव आ कतार सँ कवि धनेश्वर ठाकुर जीक रचनाक वाचन कैल गेल । तहिना अन्तरराष्ट्रिय नेपाली साहित्य समाज कतार च्याप्टरक उपाध्यक्ष श्याम राज राणाभाट, गजलकार मणी पौडेल ‘भिखारी’ जी द्वारा नेपाली भाषाक गजल सेहो सुनायल गेल ।
कार्यक्रममे हेल्प मधेशीक सक्रिय युवा समाजसेवी वीरेन्द्र साह, सरजुग यादव, राम कल्याण महतो, देवेन्द्र शर्मा तथा अनेसास केर अध्यक्ष रेगिस्तानी कवि तीर्थ संगम राई, कवि भोजराज दहाल आरो-आरो सुधि श्रोता सबहक नीक उपस्थिती छल । विदेशक धरतीपर अपन भाषा आ संस्कार सँ जुड़ल रहबाक ई अभियान अपन लोकप्रियता हासिल करबाक संग-संग अपन लोक सब केँ जोड़य मे सेहो सफल होबय लागल अछि। एकर चर्चा देश-विदेश सब ठाम भ रहल अछि आर मैथिली भाषाक उत्थान मे ई अपन विशिष्ट योगदान सेहो दय रहल अछि।