समाचार-विचारः किसलय कृष्ण
सन्दर्भः मैथिल समन्वय समिति द्वारा मुम्बई मे आयोजित ‘मैथिल वर-वधू परिचय सम्मेलन’
मिथिलाक सांस्कृतिक इतिहासक एक नवीनतम अध्याय #मैथिल_वर_वधू_परिचय_सम्मेलन_मुम्बई …. विगत 23 अक्टूबर 2016 केँ मुम्बईक थाणे स्थित किरारा सभागारमे उक्त आयोजन अपन परिकल्पना अनुरूपैं सफल रहल…..#मैथिल_समन्वय_समिति_मुम्बई केर ई डेग अवसानोन्मुख #सौराठ_सभा क उत्कृष्ट आ परिमार्जित संस्करण लागल…..#किसलय_कृृष्ण (हम) आ #जानबी_झा क सयुंक्त उद्घोषणामे कार्यक्रमक आरम्भ #डॉ_प्रतिभा_झा, #शाश्त्रीजी आ #पं_उपेन्द्र_झाक ओंकार, शंखध्वनि आ मंगलाचरणसँ भेल…..पुनः मैथिली मंचक मर्यादा अनुरुप प्रसिद्ध गायिका #मैथिली_ठाकुर अपन गोसाउनि गीतक उपशाश्त्रीय प्रस्तुतिसँ उपस्थित विशाल दर्शकवर्गकें मंत्रमुग्ध क देलीह….।
फेर गायक #विकास_झा बाबा वैद्यनाथक सुमिरन केलनि……आब उद्घोषकद्वय द्वारा अतिथि लोकनिकें मंच पर आमंत्रित कएल गेल…..जाहिमे प्रमुख छलाह नई दिल्लीक मुख्य आयकर आयुक्त श्री अनादि नाथ मिश्र, मैथिलीक श्रेष्ठ उद्घोषक आ मैथिली अकादमीक पूर्व अध्यक्ष श्री कमलाकान्त झा, केशवजी, श्री नित्यानन्द झा आदि संगहि संस्थाक संरक्षक आ शिक्षा जगतक नामचीन हस्ती डॉ संदीप झा, संयोजक धीरजनाथ झा सहित समितिक सभ सदस्य मंच पर उपस्थित छलाह….आ अतिथि लोकनि द्वारा माँ जानकीक तैलचित्र पर माल्यार्पणक संगहि द्वीप प्रज्वलन भेल आ तत्पश्चात संरक्षकक सम्बोधन , जाहिमे ओ कतेको महत्वपूर्ण उद्देश्यकें रेखांकित करैत सम्पूर्ण भारत आ नेपालमे एहेन आयोजनक बेगरता कहलनि…..। त संयोजक धीरज जी संस्थाक गतिविथिक जनतब प्रस्तुत केलनि……।
अतिथि लोकनि द्वारा एहि अवसर पर एक उत्कृष्ट स्मारिकाक बिमोचन कएल गेल…..सभ अतिथिक सम्मान पाग,दोपटा,पुष्पगुच्छ आ प्रतीक चिन्हसँ कएल गेल…….मंचसँ प्रस्तावित वर वधूक परिचय आ सम्बोधन आहलादकारी छल……।
विभिन्न क्षेत्रमे युवा युवतीक सम्मेलनमे सोझाँ आएब एहि आयोजनक मूलमंत्र सिद्ध भेल……सांस्कृतिक सत्रमे राधामोहन मिश्र, मैथिली ठाकुर, विकास झा, श्रुति झा आदि अपन प्रस्तुति देबे केलनि…..सभसँ अद्भुत रहल हास्य सम्राट अदभुदानन्दक गुदगुदी…..वाह….। बीच बीचमे आदरणीय कमलाकान्त जीक उद्घोषणा सारगर्भित छ्ल…. हुनक आशीर्वाद हमरा भेटैत रहैत अछि…..।
प्रसिद्ध गायक ओ संगीतकार ज्ञानेश्वर दूबे जी पान एलैय मखान एलैय गाबि अपन वरीयताकें फेर साबित क गेलाह…….अंतमे सभ कलाकारकें मोमेन्टो प्रदान कएल गेल आ प्रसिद्ध मैथिली अभियानी #पंकज_झा द्वारा धन्यवाद ज्ञापन संग दर्शक आ आयोजक ,अतियि सभ भोज खेबाक आनन्द लेलनि………कार्यक्रमकें सफल बनेबामे कुणाल ठाकुर, ललित झा, प्रो अन्वेषक, दीपक झा, जय माधव जी, राजकुमार झा आदिक सराहनीय योगदान रहल ।
!['मंच संचालन करैत किसलय कृष्ण आ जानबी झा'](https://scontent-ams3-1.xx.fbcdn.net/v/t1.0-9/s851x315/14695389_1155567567863056_8333351600489207060_n.jpg?oh=898177f540f872cf42709100388e2e65&oe=58968497)
!['संरक्षक डॉ सदीप झा सँ मोमेन्टो प्राप्त करैत हम'](https://fbcdn-photos-d-a.akamaihd.net/hphotos-ak-xlp1/v/t1.0-0/s370x247/14720593_1155570601196086_7216213667406049115_n.jpg?oh=924c74b10a0189a12db2705e92a4474f&oe=58A9E980&__gda__=1487239544_ae86e483a75ec890c77893ca6a570df5)
!['मोमेन्टोक संग हम किसलय'](https://scontent-ams3-1.xx.fbcdn.net/v/t1.0-9/s843x403/14690958_1155572614529218_6238120898344220193_n.jpg?oh=440d65309ad5e24be2cb1a438092279a&oe=58A80B00)
!['उद्घोषणाक क्रम मे......'](https://fbcdn-photos-c-a.akamaihd.net/hphotos-ak-xpa1/v/t1.0-0/p235x165/14581370_1155947534491726_3336657373855810721_n.jpg?oh=4a36ab0d0d14cea0ba5fd0fbd3d05042&oe=58A2F8BF&__gda__=1485929338_4eb0060473cd0cd7e078a0709b1d47a2)
!['प्रसिद्ध गायक ज्ञानेश्वर दूबे संग......'](https://fbcdn-photos-c-a.akamaihd.net/hphotos-ak-xfa1/v/t1.0-0/s261x260/14611096_1155947627825050_6699937619275873419_n.jpg?oh=1db338585a24736d76f3a4bc3c84c221&oe=58A0AA1E&__gda__=1486046613_a4751637c8a5851762c27353c9cf4ac6)